यूपीएससी मे बनल रहल बिहारक दबदबा

बेगूसराय क शंभू कए 47वां स्थान
पटना। यूपीएससी क सिविल सेवा परीक्षा ,2009 मे बेगूसराय क शंभू कुमार 47वां, पटना क निशिकांत 82वां आ बक्सर क सत्यार्थ अनिरुद्ध पंकज 206वां रैंक हासिल कैलथि अछि। शंभू आ निशिकांत क चयन भारतीय प्रशासनिक सेवा क लेल भेल अछि। बेगूसराय जिले क सिहमा ग्राम निवासी बाल्मीकि सिंह क पुत्र शंभू कुमार अपन चारिम प्रयास मे आईएएस मे सफलता पाबिकए सूबे क गौरव बढ़ौलथि। आईआईटी, कानपुर स बीटेक क डिग्री प्राप्त शंभू कए वर्ष 2008 क परीक्षा मे आईएफएस भेटल छल।
पटना क अनीसाबाद पुलिस कालोनी मे रहनिहार निशिकांत एहि परीक्षा मे 82वां स्थान प्राप्त कैलथि अछि। हुनका भारतीय प्रशासनिक सेवा क लेल चुनल गेल अछि। एहि स पहिने निशिकांत बिहार लोक सेवा आयोग मे 44वां स्थान प्राप्त करि बिहार आरक्षी सेवा क लेल चयनित भ चुकल छथि।पूर्वी चम्पारण जिला क चकिया थाना मे पदस्थापित अनिल कुमार क पुत्र निशिकांत मूल रूप स पटना जिला क अलावलपुर गांव क निवासी छथि।
बक्सर जिला क ब्रह्मापुर थाना अंतर्गत जोगिया गांव निवासी शिवजग मिश्र क पुत्र सत्यार्थ अनिरुद्ध पंकज क चयन भारतीय पुलिस सेवा क लेल कैल गेल अछि। अनिरुद्ध पंकज कए एहि परीक्षा मे 206 वां स्थान प्राप्त भेल अछि। इ हुनकर अंतिम प्रयास छल। अनिरुद्ध पंकज फिलहाल केन्द्रीय अनुवाद ब्यूरो मे राजभाषा अधिकारी क पद पर तैनात छथि। एकर अलावा कईटा आओर उन्म्मीदवार इ परीक्षा पास करि बिहार कए गौरव बढेलथि अछि। दिल्ली स सफल 25टा उम्मीदवार मे स सेहो किछु बिहारी मूलक छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments