यूनिवर्सिटी आफ नालंदा निरसन विधेयक पास

पटना । यूनिवर्सिटी ऑफ नालंदा निरसन विधेयक 2010 कए विधानपरिषद पास करि देलक अछि। मानव संसाधन मंत्री हरिनारायण सिंह विधेयक पास करबाक मौका पर कहला जे केन्द्र सरकार अन्य संस्था क मदद स नालंदा मे विश्वविद्यालय स्थापित करै जा रहल अछि। एकरा लेल संसद क मानसून सत्र मे विधेयक पेश कैल जाएत। आवश्यक अछि जे पूर्व मे एहिस संबंधित निर्मित विधेयक समाप्त करि देल जाए। एहि मकसद स निरसन विधेयक आनल गेल अछि। जेकरा सदन ध्वनि मत स पास करि देलक। ओना एहि संक्षिप्त सत्र मे आम जनता स जुडल सवाल हंगामा क भेंट चढ़ि गेल। विपक्षी सदस्य क हंगामा क कारण मार्शल बजाउल गेल, मुदा सदन मे शांति आयल त सवाल-जवाब क मौका उठेबा लेल सदस्य सदन मे नहि छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments