यूके जेकां पर बिहार मे खुलत 15टा कम्यूनिटी कॉलेज

पटना । यूके (ग्रेट ब्रिटेन) जेकां बिहार मे 15टा कम्यूनिटी कालेज क स्थापना होएत। एहि मे पूर्व स संचालित नियमित पाठ्यक्रम क अलावा ‘स्कील डेवलपमेंट प्रोग्राम’ चलाउल जाएत। केन्द्र सरकार बिहार स ओहि कालेज क सूची मंगने छल, जेकरा एहि रूप मे विकसित करबाक अछि। शिक्षा विभाग इ सूची दिल्ली पठा देलक अछि।
केन्द्र सरकार द्वारा प्रायोजित ‘कम्यूनिटी कालेज प्रोग्राम’ मे सब राज्‍यक चुनिंदा कालेज कए शामिल करबाक योजना अछि। एहि कालेज सब मे ‘स्कील डेवलपमेंट प्रोग्राम’ कए संचालित करबा लेल केन्द्र सरकार धनराशि मुहैया कराउत। विद्यार्थी क नामांकन आ हुनकर बीच ‘स्किल डेवलपमेंट’ सन कार्यक्रम क संचालन कालेज प्रशासन कए करबाक अछि। एकरा लेल विषय विशेषज्ञ क नियुक्ति राज्य सरकार करत। उच्च शिक्षा निदेशक डा. सीताराम सिंह कहला जे कम्यूनिटी कालेज क परिकल्पना पश्चिम देश क देन छी, जतए एहि तरह क कालेज पहिने स संचालित भ रहल अछि।
बिहार सरकार जाहि कॉलेजक सूची केंद्र कए पठेलक अछि ओहि मे पटना वीमेंस कालेज, एएन कालेज, जेडी वीमेंस कालेज, राजकीय कालेज (गर्दनीबाग), गया कालेज, पूर्णिया कालेज, आरके कालेज (मधुबनी), लंगट सिंह कालेज (मुजफ्फरपुर), राजेन्द्र कालेज (छपरा), मुंशी सिंह कालेज (मोतिहारी), राजेन्द्र मिश्रा कालेज (सहरसा), सीएम साइंस कालेज (दरभंगा), आरडी आ डीजे कालेज (मुंगेर), पूसा कृषि महाविद्यालय आ सबौर कृषि महाविद्यालय शामिल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments