युवा कांग्रेस क अनुकरणीय पहल

अधिकतर दल मे नेतृत्व क लेल चुनाव क जरिए विभिन्न पद पर नियुक्ति करब आसान नहि रहि गेल अछि। मनोनयन स काज चलाउल जा रहल अछि। एहन मे युवक कांग्रेस क ताजा चुनाव एकटा नजीर अछि। एकर पाछु कांग्रेस क युवा सांसद आ महासचिव राहुल गांधी क साफ दृष्टि अछि, जेे चुनाव आयोग क सलाहकार रहि चुकल केजे राव कए संगठनात्मक चुनाव क दायित्व सौंपने छथि। हुनकर प्रयोग सबस पहिने पंजाब मे सफल रहल। दोसर प्रयोग बिहार मे कामयाब रहल। राज्य मे कांग्रेस भले पिछला किछु साल स सत्ता स बाहर अछि आ एकर ताकत क आकलन नव स कैल जा रहल अछि, मुदा एकर युवा इकाई संगठन मे नई ऊर्जा भरबा क अनुकरणीय बाट अपनेलक अछि।
बिहार प्रदेश युवक कांग्रेस पहिल बेर एकटा तर्कसंगत, विधिमान्य आ पारदर्शी चुनाव प्रक्रिया अपनाकए अपन अध्यक्ष , उपाध्यक्ष (कुमार आशीष) आओर कार्यकारिणी क 9टा सदस्य चुनलक। राज्य क 40सो लोकसभा क्षेत्र क लेल अध्यक्ष आ कार्यकारिणी सदस्य क चुनाव सेहो भेल। मतदान क प्रक्रिया राजधानी क संजय गांधी स्टेडियम मे शांतिपूर्वक संपन्न भेल। एहि संगठनात्मक चुनाव मे मुख्य चुनाव आयुक्त बनलाह सांसद विजेन्द्र सिंगला, अखिल भारतीय कांग्रेस कमेटी क सचिव आ युवक कांग्रेस क सह प्रभारी जितेन्द्र सिंह आदि स्वयं मौजूद रहिकए एहि पर नजर रखलथि। केंद्र आ देश क सातटा राज्य (बिहार छोड़ि कए) मे सत्तारूढ़ दल क युवा इकाई राजनीतिक रूप स संवेदनशील एहि प्रदेश मे जाहि तरह स अपन संगठनात्मक चुनाव करेलक, ओ फिलहाल मुख्यधारा क सबटा दल क लेल एकटा माडल (आदर्श) अछि।
जखन एक-दूटा राज्य मे सरकार चलेबा लेल क्षेत्रीय दल क कार्यकर्ता सम्मेलन मे लोक उग्र भ रहल अछि, तखन कल्पना कैल जा सकैत अछि जे यदि ओ संगठनात्मक चुनाव कराबथि त कौन स्थिति पैदा होएत। विधान सभा चुनाव स पहिने जाहि परिस्थिति मे टिकट पेबा लेल आकांक्षा क विस्फोट सर्वदलीय रूप ल चुकल अछि आ विभिन्न दल कए पार्टी क मंच पर कार्यकर्ता क उबाल, असंतोष आ तामसक सामना करै पड़ि रहल अछि, ओहि स लगैत अछि जे काडर आधारित पार्टी क लेल सेहो अनुशासन कायम राखब कठिन भ गेल अछि। निश्चित रूप स कांग्रेस क इ पहल बिहार में पार्टी के लोकप्रिय नेता देबाक संग-संग राज्य कए नव छवि प्रदान करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments