मोबाइल क घंटी स सुधरल बिहार मे स्वास्थ्य!

पटना। बिहार मे सार्वजनिक निजी भागीदारी क तहत स्वास्थ्य क्षेत्र मे भेल एकटा अदभुत पहल इ साबित क देलक अछि जे कोना तकनीक क इस्तेमाल स ग्रामीण क्षेत्र मे स्वास्थ्य प्रणाली मे अहम सुधार आनल जा सकैत अछि। इ पहल बिल ऐंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन केलक अछि। ‘अनन्या’ नाम क एहि परियोजना मे मोबाइल मे इस्तेमाल भ रहल मूल्य वर्धित सेवा क बखूबी इस्तेमाल भेल अछि। एकर तहत गर्भवती महिला आ माता कए जीवन रक्षक संदेश पठाउल जाइत अछि। एतबे नहि एहि अदभुत पहल क तहत स्वास्थ्य कर्मी कए हुनकर मोबाइल क जरिये स्वास्थ्य प्रशिक्षण सेहो देल जाइत अछि।
एहि परियोजना क विकास बेंगलूर स्थिति मूल्य वर्धित सेवा प्रदाता ऑनमोबाइल केलक अछि। फाउंडेशन क अनुसार एकर तहत दूटा सेवा मोबाइल कुंजी आ मोबाइल एकेडमी बिहार क आठटा जिला मे शुरू कैल गेल अछि। धीरे-धीरे अन्य जिला मे एकर शुरुआत होएत। मोबाइल कुंजी सेवा गर्भवर्ती महिला आ माता सब कए मातृत्व आ शिशु देखभाल क विषय पर जीवन रक्षक संदेश दैत अछि। इ संदेश सामुदायिक स्वास्थ्य कर्मी क मोबाइल फोन स मुफ्त शॉर्ट कोड्स डायल क प्राप्त कैल जा सकैत अछि।

फाउंडेशन एहि सेवा क शुरुआत लेल एयरटेल, आइडिया, टाटा, रिलायंस आ वोडाफोन सहित पांचटा दूरसंचार कंपनी संग समझौता केलक अछि। सस्‍ता दर पर इ सेवा पहुंचेबा लेल इ कंपनी अपन मानक आईवीआर दर 90 प्रतिशत तक कम करबा पर सहमत भ गेल अछि। बिल ऐंड मेलिंडा गेट्स फाउंडेशन क वरिष्ठï प्रोग्राम अधिकारी कहला जे ओ अपन सहयोगी बीबीसी मीडिया एक् शन क मदद स हम राज्य मे किछु सर्वेक्षण केलहुं जाहि स हमरा एहि सोच पर मुहर लागि गेल जे ग्रामीण महिला तक पहुंचेबा लेल मोबाइल फोन सबस बेहतर माध्यम भ सकैत अछि। हम देखलहुं जे राज्य मे 80 प्रतिशत ग्रामीण महिला लग मोबाइल फोन क पहुंच अछि जखनकि मात्र 25 प्रतिशत लग रेडियो बा टेलीविजन अछि।

बिहार मे करीब 200,000 सामुदायिक स्वास्थ्य कर्मी छथि जाहि मे स 40,000 एहि नव सेवा क जद मे आबि गेलाह अछि। बीबीसी मीडिया एक्शन क परियोजना प्रबंधक प्रियंका दत्त कहैत छथि जे इ अदभुत पहल नहि केवल तकनीक क बेहतर इस्तेमाल कए देखा रहल अछि बल्कि इ लोकक जीवन मे सेहो सकारात्मक बदलाव आइन रहल अछि। सार्वजनिक-निजी भागीदारी एकरा सस्ता आ टिकाऊ बना देलक अछि। ‘अनन्या’ क शुरुआत 2011 मे भेल छल जे बिहार सरकार आ बिल ऐंड मेलिंडा फाउंडेशन क बीच आपसी सहयोग क मसौदे पर आधारित छल।
साभार- बीएस हिंदी।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments