मोदी लेलथि बढैत बिहार क पुरस्‍कार

नई दिल्‍ली। राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी दिल्‍ली क लीमेरेडियन होटल मे राष्ट्रीय औद्योगिक आ व्यावसायिक सम्मेलन क उद्घाटन केलथि। एहि सम्‍मेलनक आयोजन पीएचडी चैम्बर आफ कामर्स एंड इंडस्ट्रीज केलक अछि। एहि सम्‍मेलन मे स्टेट विद हाइएस्ट इंडस्ट्रियल ग्रोथ क रूप मे बिहार कए चयनित भेला पर उपमुख्यमंत्री सह वित्‍तमंत्री सुशील कुमार मोदी राष्ट्रपति क हाथ स पुरस्कार प्राप्त केलथि। सम्मेलन मे राज्‍य क सामाजिक-आर्थिक विकास स जुड़ल विभिन्न मुद्दा पर विचार कैल गेल। एहि मौका पर सुशील मोदी बिहार क विकास दर स जुड़ल विभिन्न पहलु पर अपन विचार व्यक्त केलथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments