मोतिहारी मे बनत जॉर्ज ऑरवेलक स्‍मारक

मोतिहारी। पूर्वी चम्पारण क मोतिहारी मे विश्व प्रसिद्ध लेखक जॉर्ज ऑरवेल क जन्मस्थली क विकास स्मारक क रूप मे कैल जाएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकरा लेल कला आ संस्कृति विभाग क अधिकारी कए आवश्यक निर्देश देलथि अछि। जानकारीक अनुसार, ‘एनिमल फॉर्म’ क लेखक जार्ज ऑरवेल क जन्म 25 जून, 1903 मे ब्रिटिश सिविल सेवा क तत्कालीन अधिकारी रिचर्ड डब्ल्यू. ब्लेयर क घर भेल छल। तखन ओ मोतिहारी मे पदस्थापित छलाह। ओना, बिहार स ऑरवेल क सम्बंध जन्मभरि क रहल। दरअसल, ऑरवेल क जन्म क बाद हुनकर परिवार ब्रिटेन चल गेल आ फेर लौट कए नहि आयल। फिलहाल दूटा कोठली क ओ घर क हालत जर्जर अछि, कहल जाइत अछि जे एहि घर मे ऑरवेल क जन्म भेल छल। ‘बीबीसी’ लंदन मे पत्रकार रहल ऑरवेल तानाशाही क घोर विरोधी आओर जनतंत्र आ मानवाधिकार क प्रखर समर्थक छलाह। अपन सेवा यात्राक दौरान मुख्यमंत्री ऑरवेल क जन्मस्थली कए अंतर्राष्ट्रीय पर्यटन क मानचित्र पर स्थापित करबा लेल प्रयास तेज करबाक निर्देश अधिकारी कए देलथि अछि। ओ कहला जे एहि ठाम पुस्तकालय खोलल जाए आ पार्क बनाउल जाए संगहि पूरा इलाका क सौंदर्यीकरण क निर्देश सेहो देलथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments