मोकामा में बनत पहिल निजी औद्योगिक परिसर

पटना । बिहार मे निजी निवेशक लेल जमीनक दिक्‍कत कए कम करबा लेल मोकामा मे राज्‍यक पहिल औद्योगिक परिसरक निर्माण भ रहल अछि। लगभग 50 एकड मे प्रस्‍तावित एहि परिसर क शिलान्‍यास अगिला दू मास मे भ जाएत। एहि परिसर कए छत्रधारी इंडस्‍ट्रीज प्र लि विकसित क रहल अछि। कंपनी क संरक्षक जीपी सिंह कहला अछि जे राज्‍य निवेश प्रोत्‍साहन परिषद लग इ प्रस्‍ताव बहुत दिन स लंबित छल। परिषद काफी विचार मंथन क बाद एकरा मंजूरी द देलक अछि। एखन एहि ठाम 26 एकड मे परिसर शुरू होएत जे बाद मे 50 एकड तक बढाउल जाएत। उद्योग विभाग क एकटा अधिकारी कहला अछि जे एहि परिसर क विकास मे सरकारक कोनो भागीदारी नहि रहत आ एहि ठाम कोन कंपनी क संयंत्र लागत आ कोन कंपनी कए जमीन आवंटित होएत एकर निर्णय छत्रधारी इंडस्‍ट्रीज प्र लि करत। सरकार किछु आधारभूत संरचनाक विकास लेल जरूर 50 करोड क सहायता प्रदान करत। इ राशि कंपनी कए चारि हिस्‍सा मे देल जाएत। ज्ञात हुए जे भूमि अधिग्रहण मे आबि रहल दिक्‍कत क बाद सरकार औद्योगिक परिसरक निर्माण लेल निजी क्षेत्र कए आमंत्रित केने छल। सरकारक एहि पहलक आब सार्थक परिणाम सामने आबि रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments