मैलोरंगक निर्देशक प्रकाश झा कए ‘’बिहार सम्मान’’

0
23

IMG-20150819-WA0005नई दिल्ली । मैथि‍ली क निर्देशक आ मैलोरंग क संस्थापक प्रकाश झा कए दिल्ली सरकार ‘’बिहार सम्मान’’ स सम्मानित केलक । हुनका ई पुरस्कार दिल्ली मे मैथि‍ली कला संस्कृति क विकास आ स्थापना लेल देल गेल । बिहार सम्मान समारोह मे दिल्ली क मुख्यमंत्री आ बिहार क मुख्यमंत्री मुख्य अतिथि‍ क रूप मे उपस्थि‍त छलाह ।  बिहार सम्मान समारोह मे मैथि‍ली क इ पहिल पुरस्कार छल । एहि पुरस्कार मे हुनका एकटा शॉल आ एकटा शील्ड प्रदान कैल गेल ।

ज्ञात होए कि प्रकाश झाजी दिल्ली मे मैथि‍ली लोक रंग ( मैलोरंग ) क स्थापना मैथि‍ली नाटक कए एकटा नव आयाम देलक अछि । दिल्ली क श्रीराम सेंटर स लए कए कमानी ऑडिटोरियम धरि‍ मैथि‍ली नाटक क प्रस्तुति कए दर्शक क दिल जीती लेने छल । प्रकाश झा कए एहि से पहिने आर कैकटा पुरस्कार सेहो विभीन्न कार्यक्रम क मादे भेट चुकल छल । इसमाद परिवार हुनकर एहि उपलब्ध‍ि पर सेहो बधाई दैत अछि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page