मैथिल मंच पर सजाउल गेल ह‍िमाचली पाग

नोएडा स्टेडियम मे भेल विद्यापति स्मृति पर्व समारोह में कुंजबिहारी जी क माथ पर हिमाचली पाग  इ बता रहल छल जे ओ म‍िथिलाक संस्‍कार स वास्‍ता नह‍ि राखए चाहैत छथि, बल्कि हुनका लेल ह‍िमाचली पाग माथ पर राखब बेसी इज्‍जत वाला गप छल, मुख्‍यअत‍िथि राजनाथ सिह कए कुंज बिहारीक माथ देखा आयोजनकर्ता बता देल‍थ‍ि जे मिथिलाक पाग खसि चुकल अछि आ ओकर स्‍थान पर हिमाचली पाग उधार ल लेने छी, गौरतलब अछि जे दावा कैल जाइत रहल अछि जे इ समारोह केवल गीत नादक नह‍ि संस्‍कार बचेबा लेल सेहो आयोजित होइत अछि, एहन मे इ दावा ओहने अछि जेना दावा भेल छल जे कामनवेल्‍थ स भारतक इज्‍जत बढत मुदा भारत बेइज्‍जत भ गेल, एहन मे किछु लोकक कहब अछि जे अपन पाग अगर नह‍ि माथ पर राखि सकैत छलाह त कम स कम अनकर पाग त माथ पर स हटा सकैत छलाह, मिथिलाक एहन बेइज्‍ज्‍ती किया, पाग त इज्‍जत स जुडल वस्‍तु छी

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. कुञ्ज बिहारी जी
    प्रणाम
    हम अहाँक बहुत पैघ प्रसंशक छी | अपनेक मैथिल आओर मिथिलाक लेल जे के रहल छी ओकरा इतिहास याद राखत | खास के अपनेक जे विद्यापतिक गीत के एकता नव आयाम देलियैक, संगही कुछु दिन पहिने अपनेक के विद्यापतिक गीतक लेल सम्मानित सेहो कायल गेल अछि | तखन हुनकर पाग से अपनेक के शर्मिंदा कियाक होयत अछि | ब्लोगक माध्यम से जबाव जरुर देव ई पूरा विश्वाश अछि |
    अहाँक प्रशंसक
    दयाकांत

  2. kunj bihari pranam
    ham apnek bahut paigh prasansak chi
    hank ke geet gebak shaili hamra bahut nik lagait aich

Comments are closed.