मैथिली सुगम संगीत क पहिल प्रसारण 16 कए


दरभंगा । आकाशवाणी दरभंगा केंद्र पहिल बेर मैथिली सुगम संगीत क प्रसारण 16 जनवरी कए तेसर सभा मे रात 7.45 बजे ‘नया साल नया अंदाजÓ कार्यक्रम क तहत करत। पहिल गीत रचना चर्चित गीतकार डॉ बुद्धिनाथ मिश्र क होएत, जेकरा स्वर देलथि अछि रामबाबू झा। एकर संगीत रचना पीएन झा क अछि। इ जानकारी आकाशवाणी केंद्र क कार्यक्रम प्रमुख डॉ प्रभात नारायण झा देलथि अछि। ओ कहलथि जे इ प्रायोगिक प्रसारण होएत। पूर्व एएसडी सौम्यकांति आचार्य जे सपना देखने छलाह ओ साकार भ रहल अछि। फरवरी माह स मैथिली सुगम संगीत क नियमित प्रसारण आरंभ करि देल जाइत। एकरा लेल दरभंगा, मधुबनी, सीतामढ़ी, शिवहर, समस्तीपुर, बेगूसराय, सहरसा, सुपौल आ मधेपुरा जिला क कलाकार क स्वर परीक्षा विगत अगस्त माह मे लेल गेल छल आ 29 अगस्त कए एकर परिणाम घोषित कैल गेल छल। उल्लेखनीय अछि जे आकाशवाणी दरभंगा केंद्र क पूर्व एएसडी श्री आचार्य मैथिली मे संगीत क एहि नव विधा क शुरुआत करबाक योजना बनौने छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments