मैथिली लेल दिवंगत मनमोहन झा कए साहित्य अकादमी

हिंदी कविता संग्रह हवा में हस्ताक्षर क लेल कैलाश कए अकादमी पुरस्कार
नई दिल्ली। दिवंगत मनमोहन झा कए एहि साल लेल मैथिली क साहित्य अकादमी पुरस्कार देबाक घोषणा कैल गेल अछि। हिंदी क प्रसिद्ध कवि कैलाश वाजपेई सहित संविधान में शामिल 24 भारतीय भाषा क साहित्यकार कए वर्ष 2009 क लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार स सम्मानित करबाक फैसला कैल गेल अछि। साहित्य अकादमी क सचिव अग्रहार कृष्णमूर्ति बुधदिन कहला जे प्रख्यात हिंदी कवि, आलोचक आ चिंतक कैलाश वाजपेई कए हुनकर कविता संग्रह ‘हवा मे हस्ताक्षरÓ क लेल हिंदी भाषा क साहित्य अकादमी पुरस्कार क लेल चुनल गेल अछि। एहि साल साहित्य अकादमी पुरस्कार मे कवि आ कथाकार क धूम रहल। कुल आठटा कवि कए 2009 क साहित्य अकादमी पुरस्कार देल गेल अछि। जखन कि छहटा कथाकार कए एहि प्रतिष्ठित पुरस्कार क लेल चुनल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें