मैथिली मे भ रहल अछि कानून क अनुवाद

दरभंगा। विधान परिषद क सभापति पंडित ताराकांत झा कहला अछि जे सब तरह क कानून क अनुवाद मैथिली मे करबाक प्रयास भ रहल अछि। ओ कहला जे एहि स भाषा मे कानूनक पुस्तक क कमी दूर होएत संगहि आम लोक कए कानून बुझबा मे सुविधा होएत। झा मैथिलीक विकास लेल कैल जा रहल प्रयास पर विस्तार स जानकारी दैत कहला जे दरभंगा रेडियो स्टेशन मे मैथिली समाचार प्रसारण क लेल न्यूज यूनिट क स्थापना क लेल ओ सूचना आ प्रसारण मंत्री स गप केलथि अछि। पंडित झा कहला जे ओ मधुबनी मे रेडियो एफएम स्टेशन स्थापित करबाक प्रयास करि रहल छथि। ओ कहला जे बिहार विधान परिषद क शताब्दी समारोह क आयोजन कैल जाएत। 22 मार्च, 2011 कए एकर शुभारंभ राष्ट्रपति करतथि। ओतहि 100 वर्ष क बिहार पर अलग-अलग खंड मे ग्रंथ क रचना क कार्य शुरू कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.