मैथिली, मलयालम आ महिला लहरेलक परचम

पटना । शुक्रदिन प्रकाशित भेल यूपीएससी क सिविल सेवा परीक्षा , 2012 क घोषित रिजल्ट मे 998टा छात्र सफल रहलाह। मैथिली, मलयालम आ महिला एहि बेर अपन परचम लहरा देलक अछि। बिहार क अभ्यर्थी क सेहो नीक संख्‍या अछि। मैथिली विषय क संग एहि बेर सातटा अभ्यर्थी सफलता पौलथि अछि, जाहि मे पांचटा बिहार क आ दूटा उत्तरप्रदेश क रहनिहार छथि। लगातार तेसर साल लड़की टॉप केलक अछि। एहि बेर टॉप करनिहारि हरिथा वी कुमार केरल क छथि। मुख्य परीक्षा मे हुनकर वैकल्पिक विषय अर्थशास्त्र आ मलयालम छल। प्रथम 10 मे पांचटा लड़की छथि।
सिविल सेवा परीक्षा मे बिहार क छात्र एक बेर अपन प्रतिभा क लोहा मनवा लेलक अछि। आधा दर्जन स बेसी छात्र बेहतर रैंक हासिल केलथि अछि। एहि मे साइकिल दुकान चलेनिहार क बेटा स ल कए किसान आ आंगनबाड़ी सेविका क संतान तक शामिल छथि। समस्तीपुर जिला क रोसड़ा क भिड़हा गामक अजीत कुमार बिहार मे सबस नीक रैंक पौलथि अछि। ओ 26म स्थान प्राप्त केलथि अछि। हिनकर कनिया मंजुला राय आयकर आयुक्त छथि, जे फिलहाल नागपुर मे ट्रेनिंग ल रहल छथि। दरभंगा मे बीएसएनएल क उपमहाप्रबंधक आरआर झा क पुत्र सत्येंद्र कुमार कए 71वां स्थान भेटल अछि। । मधुबनी जिले क योगेन्द्र झा क पुत्र अजित बसंत कए 72म रैंक आयल अछि। सुपौल क सुब्रत कुमार सेन 93म आ मधेपुरा क आदित्य कुमार आनंद 96म स्थान पौलथि अछि। सुब्रत क पिता सुपौल क सिंगराही मे साइकिल क दुकान करैत छथि। भागलपुर क प्रशांत आनंद कए 125म रैंक भेटल अछि। बेगूसराय क शिवाजीनगर विष्णुपुर क निशांत कुमार कए 148, बांका जिला क अमरपुर क डुमरामा क अभिनव कए 207म रैंक भेटल अछि। नवादा क उपेन्द्र नाथ वर्मा कए 268 म स्थान हासिल भेल अछि। खगड़िया क राज तिलक रोशन कए 383म रैंक आ बेगूसराय क सुजीत कुमार कए 423म रैंक हासिल भेल अछि। किशनगंज क गणोश प्रसाद साहा कए 373 म स्थान भेटल अछि। शेखपुरा क मृत्युंजय श्रीवास्तव कए 475म, जखनकि नालंदा क प्रभाकर प्रभात 494म रैंक हासिल केलथि अछि। एकर अलावा वैशाली क प्रभात कुमार कए 461 म, भागलपुर क नीलोत्पल कए 510म रैंक, मो मुश्ताक कए 722म आ मनीष कुमार चौधरी कए 726म आ पटना क दयाशंकर कए 827म रैंक भेटल अछि। बांका जिला क कटोरिया बाजार क कमलजीत कुमार कमल 666म रैंक हासिल केलथि अछि। बख्तियारपुर क आशीष कुमार कए 495म स्थान प्राप्त भेल, जखनकि भागलपुर क प्रशांत आनंद 175म स्थान हासिल केलथि अछि। आरा क आनंद मोहन कए 539म रैंक भेटल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments