मैथिली बनत झारखंड क द्वितीय राज्यभाषा

बोकारो। जगन्नाथ मिश्र क कृपा स मैथिली बिहार क द्वितीय राज्यभाषा त नहि बनि सकल, मुदा शिबू सोरेन मैथिली कए झारखंड क द्वितीय राज्यभाषा क दर्जा देबा क एलान केलथि अछि। झारखंड क मुख्यमंत्री शिबू सोरेन कहलथि जे मैथिली क संग-संग बांग्ला, संथाली आ भोजपुरी कए द्वितीय राजभाषा क दर्जा देल जाएत। एकरा लेल प्रक्रिया प्रारंभ करि देल गेल अछि। शिबू नववर्ष पर अपन आवास पर पत्रकार स गप करैत छलाह। मुख्यमंत्री कहलथि जे चिरिया माइंस लीज राज्य क बाहर क कंपनी कए नहि देल जाएत। माइंस क लेल बोकारो इस्पात संयंत्र प्रबंधन स सकारात्मक गप भ रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments