मैथिली क मसला पर शाही कए घेरलथि सरावगी

दरभंगा क 171 स्‍कूल मे मैथिली क मात्र 7टा शिक्षक

पटना । राष्‍ट्रीय आ अंतरराष्‍ट्रीय मसला पर गंभीर चिंतन क बीच एकटा उम्‍मीद जेकां दरभंगाक विधायक स्‍थानीय समस्‍या कए विभिन्‍न मंच पर उठबैत रहैत छथि। इ दरभंगा लेल नहि अपितु पूरा मिथिला लेल एकटा सुखद परंपरा क शुरुआत कहल जा सकैत अछि। एहि क्रम मे दरभंगा क संजय सरावगी विधानसभा मे मैथिली शिक्षक क मामला उठेलथि। हुनक कहब छल जे दरभंगा प्रमंडल मे चलि रहल 171 विद्यालय मे मैथिली क केवल 7टा शिक्षक अछि, जखनकि इ भाषा आब संविधान क आठम अनुसूची मे शामिल अछि। शिक्षा मंत्री पीके शाही बेर बेर कहि रहल छलाह जे बेसी शिक्षक क नियुक्ति लेल पदसृजन करै पडत। एहि पर दरभंगा जिला क विधायक आ नेता प्रतिपक्ष अब्दुल बारी सिद्दीकी पूछलाह जे आखिर एहि मे दिक्कत की अछि? मंत्री कहला जे पदसृजन क प्रयास कैल जाएत।
संजय सरावगी आ अब्दुल बारी सिद्दीकी क मैथिली प्रेम देख मधुबनी जिला क विनोद नारायण झा सेहो सक्रिय भेलाह आ कहला जे इ कोन तरीका अछि जे बांग्ला भाषा लेल 250 शिक्षक क नियुक्ति भ रहल अछि, उर्दू भाषा मे सेहो पर्याप्त संख्या मे शिक्षक नियुक्त कैल जा रहल अछि आ मैथिली क संग इ उपेक्षा ..? एकर मंत्री कोनो उत्‍तर नहि द सकलाह ।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

3 टिप्पणी

  1. बिहारसँ जुड़बाक कारणें मैथिलीक मात्र बिहार सरकार उपेक्षा करैत अछि, कतेक पैघ अन्याय जे बांग्ला भाषाक लेल २५० टा शिक्षक मुदा मैथिलीक लेल नहि, आखिर ई कोन मानसिकताक द्योतक अछि बिहार सरकारक।

  2. Bihar sarkar sabh din sa maithili a mithilak upeksha karait ayal achhi, e kono nab gapp nahi. Ehi lel mithilavasi ke jagruk bhenaai avasyak achhi.

  3. Mithila aur Maithili Satat Upekshit rahal, Khas kay ke Laloo jee ekra Varg vises ke bhasha manait chhlaith te Nitish jee ek deg aagu bhay Bangla bhasa ke Biharak lel avshyak bujhaith chhith aur Maithili ke anavashyak.

Comments are closed.