मैथिली आ भोजपुरी में जारी भेल श्रीगीत

मुख्यमंत्री केलथि श्रीविधि महाभियान, 2013 क उद्घाटन
पटना : मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुधदिन श्रीकृष्ण मेमोरियल हॉल मे श्रीविधि महाभियान, 2013 क उद्घाटन केलथि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री बिहारक किसान लेल मैथिली और भोजपुरी मे लिखल गेल श्रीगीत आ श्रीफिल्म क लोकार्पण केलथि। संगहि मुख्यमंत्री श्रीविधि लोगो कए सेहो लोकार्पित केलथि। एहि अवसर पर स्थानीय कलाकार द्वारा गीत क गायन सेहो कैल गेल। अपन संबोधन मे मुख्यमंत्री कहला जे किसान क उत्साह क परिणाम दिखा रहल अछि। किसान नव नव रिकार्ड बना रहल छथि। बिहार क रिकार्ड पर चीन कए अचंभा भ रहल अछि। ओकर चाउर उत्पादनक रिकार्ड बिहारक किसान ध्वस्त क देलथि अछि। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार मे केवल रिकार्ड नहि बनि रहल अछि बल्कि उत्पादकता सेहो बढि रहल अछि। बिहार क किसान क चर्चा देश स बाहर भ रहल अछि। बाढ़ आ सुखाड़ सन विपत्ति क बावजूद किसान उत्पादन आ उत्पादकता मे बेहतर काज क रहल छथि। बिहार धीरे-धीरे आगू बढ़ि रहल अछि। ओ दिन दूर नहि जखन हम फेर स अपन गौरवशाली स्थान प्राप्त क लेब। ओ कहला जे कृषि लेल पर्याप्त बिजली उपलब्ध कराउल जायत। कृषि लेल अलग स बिजली क फीडर होएत। राज्य मे चाउर क पॉलिस क मिल कम अछि, मुदा आब एहि पर ध्यान देल जा रहल अछि एहि साल क बाद पॉलिस लेल बिहार चाउर यूपी या बंगाल नहि जाएत। मीलिंग आ भंडारण क मामला मे राज्य आत्मनिर्भर भ रहल अछि। नीतीश कहला जे बिजली घर लगायब रोड बनबा सन असान काज नहि अछि। कोल लिंकेज नहि रहबाक कारण बिजली ईकाई क स्थापना मे परेशनी आबि रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Susasan babu etek jyada vikas bhelak uprant Bihari etek palayan kiyak kay rahal achhi. E aakra sirf kagaj par tayar karait chhi, wa vastvik achhi.

Comments are closed.