मैथिली अकादमी कए लनामिवि मे जगह आवंटित

दरभंगा । पहिल बेर मैथिली अकादमी पटना क विक्रय केंद्र दरभंगा मे उपलब्ध होएत, जेकर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क केंद्रीय पुस्तकालय मे ओकरा लेल जगह आवंटित कैल गेल अछि। कुलपति डॉ. एसपी सिंह केंद्रीय पुस्तकालय क प्रभारी कए अकादमी क लेल एक कोठली उपलब्ध करेबाक आदेश जारी करि देलथि अछि। इ जानकारी अकादमी क अध्यक्ष कमलाकांत झा देलथि अछि। ओ एकरा लेल कुलपति कए साधुवाद देलथि अछि।
झा ने कहला जे स्थान निःशुल्क भेटल अछि आ ओहि ठाम कर्मचारी क तैनाती अकादमी करत। अकादमी अध्यक्ष कहला जे राजधानी पटना क संग संग आब मिथिला क सांस्कृतिक राजधानी दरभंगा मे सेहो मैथिली अकादमी क केंद्र आरंभ भेला स लोक कए इ दुख कम भ जाइत जे दरभंगा मे मैथिली क किताब नहि भेटैत अछि। झा  कहला जे विश्वविद्यालय क पाठ्यक्रम मे अकादमी क कईटा किताब शामिल अछि। एहि ठाम केंद्र भेला स स्थानीय शिक्षक आ छात्र कए सुविधा होएत। संगहि विश्वविद्यालय क अधीन मधुबनी, समस्तीपुर आ बेगूसराय क शिक्षक-छात्र कए सेहो आसानी स पुस्तक भेट सकत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments