मेट्रो रेल परियोजना क बाट खुलल, राइट्स बनाउत डीपीआर

पटना । कैबिनेट अपन अहम फैसला मे राजधानी पटना मे मेट्रो रेल परियोजना क विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन (डीपीआर) तैयार करबा लेल राइट्स कए कंसलटेंट बनेबा लेल मंजूरी द देलक अछि। राइट्स छह माह मे डीपीआर बना कए सरकार कए द देत। डीपीआर बनेबा लेल दू करोड़ 52 लाख टका व्यय करबाक स्वीकृति द देल गेल अछि। कैबिनेट अपन महत्वपूर्ण फैसला मे प्रदेश मे पंचायत उप चुनाव क अधिसूचना जारी करबाक प्रस्ताव पर सेहो सहमति जता देलक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल कैबिनेट क बैसार मे कईटा आओर फैसला लेल गेल। कैबिनेट सचिव ब्रजेश मेहरोत्रा कहला जे सात जुलाई कए राज्य क 36 जिला मे पंचायत उप चुनाव कराउल जाएत। जखनकि 24 जुलाई कए सारण आ सीवान मे मतदान होएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments