मेक्स हेल्थकेयर सुपर स्पेस्लिस्ट हॉस्पिटल लेल ताकि रहल अछि जमीन

पटना। मेक्स हेल्थकेयर क प्रमुख अनलजीत सिंह कहला अछि जे ओ बिहार मे काफी दिन स एकटा सुपर स्पेसिअलिटी हॉस्पिटल खोलबाक योजना पर काज क रहल छथि। कंपनी एहि परियोजना लेल पटना मे जमीन ताकि रहल अछि। ओ कहला जे राज्‍य मे परिवर्तन आ सरकारक सकारात्मक आ उत्साहवर्धक स्थिति कए देखैत बिहार मे निवेश आब घाटाक धंधा नहि रहल। मेक्स हेल्थकेयर पटना मे एकटा विश्वस्तरीय हॉस्पिटल खोलबा लेल तैयार भ चुकल अछि। हम अपन एहि योजना क गप मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए बता चुकल छी। आब हमसब राज्य सरकार स एहि संबंध मे गप क रहल छी। सिंह क अनुसार ओ सब एहि परियोजना मे 300-350 करोड़ क निवेश करताह। जखनकि कम्पनी एखनधरि जमीन क चुनाव नहि केलक अछि। एहन मे इ कहिया धरि बनत एहि संबंध मे सिंह कहला जे कार्य प्रगति पर अछि, हमसब राज्य सरकार स जमीन लेल मदद क अपील केलहुं अछि। सरकार अपन पूर्ण सहयोग क वादा केलक अछि। ओ कहलथि जे हुनकर अधिकारी जल्‍द मुख्‍य सचिव स भेंट करतथि। हमसब राज्य सरकार क एहि सकारात्मक रवैये स बहुत खुश छी। जहिना जमीन भेटत हम निर्माण कार्य शुरू क देब।
ओ कहला जे राज्‍य बहुत तेजी स आगू जा रहल अछि आ एहन मे निवेशक लेल समय बहुत महत्‍वपूर्ण होइत अछि। राज्य सरकार कानून आ व्यवस्था क मोर्चा पर उल्लेखनीय काज केलक अछि जाहि स निवेशक मे विश्‍वास जगल अछि। सडक मे सुधार भेल अछि, ओना बिजली एकटा पैघ समस्‍या एखनो अछि। मुदा राज्य सरकार वादा केलक अछि जे दू साल मे एकर स्थिति मे सुधर आउत। ज्ञात हुए जे बिहार मे एखन धरि कोनो सुपर स्पेस्लिस्ट हॉस्पिटल नहि अछि आ मैक्‍स कई साल स खोलबाक योजना तैयार केने अछि एहन मे अगर अगिला किछु मास मे जमीन पर काज शुरू भ जाइत अछि त इ राज्य क पहिल एहन हॉस्पिटल होएत। एहन अस्‍पताल क बिहार मे बहुत जरूरत अछि किया त सब साल बिहार स लगभग 11000 मरीज बेहतर इलाज लेल मेट्रो शहर जेना दिल्ली, मुम्बई, कोलकाता आ बैंगलुरु जाइत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments