मुलायम लेल लालू स बेहतर नीतीशक प्रशासन

अल्‍का मिश्र
लखनउ। नीतीश सरकारक लालू जेतबा आलोचना करथि, मुदा लालूक मित्र मुलायम सिंह यादव लालूक प्रशासन स बेहतर नीतीश क प्रशासन कए मानैत छथि। मुलायम नीतीश प्रशासन कए मानक मानि रहल छथि आ बिहार क तुलना गुजरात स क रहल छथि। सपा प्रमुख अपन कार्यकर्ता कए अनुशासन क पाठ पढ़ा रहल छलाह, ताहि दौरान ओ कहला जे ओ यूपी मे गुजरात आ बिहार स बेहतर दर्जा क शासन देबाक कोशिश क रहल छथि। मुलायम क इ कहब एक प्रकार स लालूक ओहि मत स ठीक विपरीत अछि जाहि मे लालू बिहार क प्रशासन कए ध्‍वस्‍त कहैत एलाह अछि। मुलायम मानैत छथि जे भारत मे प्रशासनिक स्‍तर पर मोदी आ नीतीश आइ मानक बनि चुकल छथि। राजधानी मे अपन कार्यकर्ता कए सम्बोधित करैत मुलायम सिंह कहला जे देश बिहार आ गुजरात कए मॉडल क तौर पर देख रहल अछि। एहि दूनू राज्‍य क बड नाम भ रहल अछि, मुदा यदि अहां सब अनुशासन मे रहब त सपा सरकार बिहार आओर गुजरात स बेहतर यूपी बना कए देखा सकैत अछि। अहां सब हर हाल मे एकटा नीक सरकार चलेबा मे सहयोग दी। मुलायम कहला जे उत्तर प्रदेश क कानून -व्यवस्था गुजरात आओर बिहार स नीक होएत। मुलायम इ सेहो कहला जे बिहार आ गुजरात जेकां भ्रष्टाचार क मामला मे सरकार ककरो संग कोनो स्‍तर पर समझौता नहि करत आ कोनो मंत्री भ्रष्टाचार मे लिप्त भेटताह त तत्‍काल हुनका हटा देल जाएत। मुलायम सिंह क इ बयान देश मे नव राजनीतिक समीकरण त नहि मुदा किछु राजनीतिक उथल-पुथल दिस जरुर इशारा क रहल अछि। किया कि ओ अपन कार्यकर्ता स बेर-बेर अनुशासन रखबाक अलावा लोकसभा चुनाव क तैयारी करबाक अनुरोध सेहो करैत रहलाह। निश्चित रूप स मुलायम क इ बैसार लालू आ पासवान सन नेता कए परेशान क सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments