मुजफ्फरपुर मे खुलत विद्युत विभाग क विशेष कोर्ट

मुजफ्फरपुर । विद्युत उपभोक्ता क लेल खुशखबरी। बिजली स संबंधित शिकायत क सुनवाई आब एहि ठाम विद्युत विभाग क विशेष कोर्ट मे भ सकत। बिजली बोर्ड स विशेष न्यायालय गठन क मंजूरी भेट गेल अछि। गोपालगंज क अपर जिला आ सत्र न्यायाधीश परशुराम शुक्ला कए तिरहुत विद्युत आपूर्ति क्षेत्र क न्यायाधीश बनाउल गेल अछि। आधिकारिक सूत्र क मुताबिक एहि विशेष न्यायालय मे विद्युत संबंधी, विद्युत विपत्र, बिजली चोरी, राजस्व सहित बिजली संबंधित अन्य सब तरह क मामला क सुनवाई कैल जाएत। एखन धरि उपभोक्ता कए बिजली संबंधित परेशानी आ समस्या स निजात पेबा लेल आम न्यायालय क दरवाजा पर जाइ परैत छल। ओहि ठाम मामला क निस्तारण मे एतबा विलंब होइत छल जे लोक कोर्ट क रुख करबा स परहेज करैत छल। एहि न्यायालय मे लोक सीधा न्याय क लेल गुहार लगा सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments