मुजफ्फरपुर मे आवास बोर्ड क नव स्कीम

मुजफ्फरपुर । दामोदरपुर स्थित आवास बोर्ड क मकान आ भू-खंड लेनिहार लेल एकटा नीक समाद अछि। आवंटन क नाम पर चुप बैसल बोर्ड मकान आ जमीन कए एकमुश्त भुगतान पर आवंटित करबाक योजना तैयार केलक अछि। एकरा लेल कवायद कए अमलीजामा पहनेबा मे विभागीय अधिकारी जुटि गेलाह अछि। यानी आब बोर्ड क मकान कए अपन आशियाना बनेबा लेल एक बेर मे अपन जेब ढील करबा लेल तैयार रहू। एहने प्रकिया भू-खंड मे सेहो अपनाउल जाएत। बताउल जा रहल अछि जे एहि स आवंटित लोक कए ब्याज देबा स राहत भेटत। संभावना इ सेहो जताउल जा रहल अछि जे जर्जर भ चुकल मकान कए या त बोर्ड मरम्मत कर कए बेचत या फेर ओकरा ढाह कए जमीन क आवंटन करत। कहल जा रहल अछि जे आवंटन क बाद लोक सब किश्त जमा नहि केलथि आ बोर्ड सेहो एहि दिस ध्यान नहि देलक, मुदा नव सरकार मे बोर्ड एक बेर फेर सक्रिय भेल अछि आ नव ढंग से मामला कए आगू बढा रहल अछि। एकरा लेल बोर्ड कए एमडी सबटा जर्जर आ अतिक्रमित मकान क सूची मंगेलथि अछि। सूची मे अतिक्रमणकारी आ आवंटन रद्द भेलाक बाद कब्जा रखनिहार लोकक संबंध मे सेहो विस्तृत जानकारी देल गेल अछि।
ज्ञात हुए जे पहिने मकान आ भूखंड लेल पूरा राशिक बीस प्रतिशत द कए आवंटन करा लेल जाइत छल। ओकर बाद 15 साल मे किश्त मे बाकी रकम देल जाइत छल, जाहि मे 13 स 16 प्रतिशत तक ब्याज सेहो चुकाउल जाइत छल। नव व्यवस्था मे ब्याज स मुक्ति भेट गेल अछि। ओना 2006 स इ व्यवस्था ठप पडल अछि। एकर कारण स अधिकतर मकान पर अवैध कब्जा अछि। हालात इ अछि जे एमआईजी वर्ग क 102टा मकान मे मात्र 8टा, एलआईजी क 93 मे 55टा आ जनता वर्ग क 87 मे स 55टा आवंटित अछि। शेष पर कब्जा अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments