मुजफ्फरपुर, छपरा आ सासाराम मे बनत नव एयरपोर्ट

नयी दिल्ली । प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह देश क विमान आ पोत परिवहन कए पैघ छलांग देबाक तैयारी क लेलथि अछि। अगिला वित्त वर्ष क लक्ष्य तय कए देल जेकर मुताबिक करीब एकटा लाख करोड़ टका क लागत स अंतरराष्ट्रिय, राष्ट्रिय आ छोट स्तर क 60टा नव हवाई अड्डा क निर्माण कैल जाएत। प्रधानमंत्री कार्यालय क सूत्र क अनुसार अगिला छह मास मे सार्वजनिक आ निजी हिस्सेदारी क एक लाख करोड़ टका स बेसी क परियोजना क निर्माण शुरु भ जाएत। 50टा छोट हवाई अड्डा बिहार, आंध्र प्रदेश, झारखंड, पंजाब, उत्तर प्रदेश, अरूणाचल प्रदेश, असम, मध्य प्रदेश, ओडिशा आ राजस्थान मे बनत। एहि छोट हवाई अड्डा क निर्माण स घरेलू विमानन सेवा मे क्रांति आउत आओर देश क कईटा एहन शहर विमान सेवा स जुड़ जाएत जे एखन तक भूतल परिवहन पर निर्भर छल। बिहार मे मुजफ्फरपुर, छपरा आ सासाराम सन शहर मे इ नव हवाई अड्डा बनत। उत्तर प्रदेश मे आगरा, इलाहाबाद, मुरादाबाद, मेरठ, अलीगढ, मुजफ्फरनगर, बिजनौर आ आजमगढ जखन कि झारखंड मे धनबाद, बोकारो आ हजारीबाग मे सेहो हवाई अड्डा क निर्माण होएत।
प्रधानमंत्री ढांचागत विकास क लक्ष्य तय करबा लेल उच्च स्तरीय बैसार बजेने छलाह जाहि मे वित्त पी चिदम्बरम क अलावा योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया आ ढांचागत विकास स जुडल मंत्रालय जेना बिजली, कोयला, रेलवे, सड़क आओर जहाजरानी आ नागरिक उड्डयन मंत्रालय क मंत्री आ सचिव कए बजाउल गेल छल। बैसार मे विमानन क्षेत्र लेल महत्वाकांक्षी लक्ष्य तय करैत भुवनेश्वर आ इम्फाल मे दूटा नव अंतरराष्ट्रिय हवाई अड्डा आ कम लागत क 50टा छोट हवाई अड्डा क निर्माण एहि वित्त वर्ष मे करेबाक संकल्प लेल गेल। आठटा नव हवाई अड्डा सार्वजनिक आ निजी हिस्सेदारी क मॉडल पर बनाउल जाएत। एहि माडल पर दूटा बंदरगाह क निर्माण सेहो 2013-14 मे कराउल जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. ham Mithila script men likhal chahai chhiai. Kripa kari hamara sajesan (suggestion) bhejiau.

Comments are closed.