मुजफ्फरपुर क लक्ष्मी विहार कए भेटत स्टार होटल क दर्जा

पटना । देश-विदेश स उत्तर बिहार एनिहार पाहुन सब कए आब स्टार होटल क टोटा नहि रहत। उत्तर बिहार मे ठहरबा लेल स्टार होटल कमी कए दूर करबाक प्रयास तेज क देल गेल अछि। राज्य सरकार उत्तर बिहार मे पर्यटक क बढ़ैत संख्या कए देखैत स्टार होटल क निर्माण पर विशेष जोर द रहल अछि। पहिल चरण मे सरकार अपन अपन होटल कए स्टार होटल क श्रेणी मे अनबाक योजना तैयार केलक अछि। राज्य क पर्यटन सचिव मिहिर कुमार सिंह कहला अछि जे उत्तर बिहार एनिहार पर्यटक क संख्या मे लगातार वृद्धि भ रहल अछि। एहि साल पर्यटक क संख्या मे आओर वृद्धि हेबाक अनुमान अछि। पर्यटक क बढ़ैत संख्या कए देखैत उत्तर बिहार मे स्टार होटल क आवश्यकता बढल जा रहल अछि। एकरा देखैत सरकार पहिने अपन होटल कए स्टार होटल मे बदलबाक योजना पर काज शुरू क देलक अछि। एहि योजना मे बिहार स्टेट टूरिज्म डेवलपमेंट कारपोशन (बीएसटीडीसी) क लक्ष्मी विहार (मुजफ्फरपुर) कए शामिल कैल गेल अछि। ओना बिहार सरकार होटल कौटिल्य विहार (पटना), विष्णु विहार (गया), सिद्धार्थ विहार (बोधगया) आ तथागत विहार (राजगीर) कए सेहो स्टार होटल मे बदलबाक घोषणा केलक अछि। अधिकारी कहला जे राज्य सरकार गया स्थित विष्णु विहार कए फोर स्टार होटल क श्रेणी मे आनत, जखन कि अन्य होटल कए टू-थ्री स्टार होटल क दर्जा देल जाएत। विभाग क एकटा अधिकारी कहला जे सरकार फिलहाल ओहि होटल कए चिह्नित केलक अछि जेकरा नियम आ कानून क मुताबिक स्टार होटल क रूप मे विकसित कैल जा सकैत अछि। पर्यटन विभाग दिस स स्टार होटल क रूप मे अपग्रेडेशन लेल होटल क मापदंड तय क देल गेल अछि। हालांकि एकरा लेल पहिने स्टेट लेवल ग्रेडेशन कमेटी द्वारा जांच कैल जाएत। राज्य मे पहिने एहन कमेटी नहि छल, मुदा आब जल्द एहन कमेटी क गठन कैल जा रहल अछि आ इ कमेटी एक मास क भीतर अपन काज शुरू क देत। सरकार सेहो मानैत अछि जे उत्तर बिहार मे पर्यटन क विकास क काफी संभावना अछि आ राज्य क अर्थव्यवस्था कए पटरी पर अनबा मे एकर अहम भूमिका भ सकैत अछि। एहि लेल राज्य सरकार पर्यटक क सुविधा मे कोनो कोर कसर नहि छोडत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Planing ta nik achhi. Audyogik vishak dis deg badhebak lel nik Hotel ken awasyakta seho hoit achhi.Vartman paristhiti me Lakshmi-Vilash Hotel kono star hotlak mapdand pura nahi karait achhi(ham swayam dekhane chhi). Upgradation ken lel jan mahaj khanapurti ka matra board sthanantarit ka Star Hotlak darja da del jayat ta sambhavtah guestak sankhya ghatiye jayat. Upgradation ken bhautik satyapan seho awasyak hoyat.

Comments are closed.