मुख्यमंत्री लिखताह एसपी क सीआर

पटना। पुलिस अधीक्षक क सीआर आब मुख्यमंत्री खुद लिखताह। पहिने एसपी क सीआर डीजीपी लिखैत छलाह। केंद्र सरकार क निर्देश क बाद बिहार क तमाम एसपी क सीआर लिखबाक प्रक्रिया कए आसान बना देल गेल अछि। गृह विभाग एहि बाबत आदेश जारी केलक अछि। गृह विभाग क अनुसार आब एसपी कए डीएम कए रिपोर्ट करबा अछि, जखनकि रिव्यूइंग अफसर डीजीपी हेताह आ मुख्यमंत्री सीआर पर अंतिम टिप्पणी लिखताह। एसपी स उपर क अफसर क सीआर पर अंतिम टिप्पणी मुख्यमंत्री पहिने स लिखैत एलाह अछि। इ नव व्यवस्था वर्ष 2007 स लागू मानल जाएत।
लालू केलथि विरोध
राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद एहि नव व्यवस्थाक विरोध केलथि अछि। हुनका आशंका अछि जे मुख्यमंत्री एहि अधिकार स चुनाव मे फायदा लेताह आ सत्ता पक्ष पुलिस क दुरुपयोग करत। राजद अध्यक्ष एसपी क सीआर मुख्यमंत्री द्वारा लिखबाक नव व्यवस्था क निंदा करैत कहला जे नीतीश कुमार क जनाधार खत्म भ चुकल अछि । आब सीआर खराब हेबाक डर स पुलिस अधीक्षक हुनकर पक्ष मे काज करताह, जाहिस चुनाव प्रभावित होएत। लालू एकर शिकायत जल्द चुनाव आयोग स करताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments