मुख्यमंत्री खाद्य सुरक्षा योजना कए मंजूरी

सरकार 80 लाख गरीब कए दैत कम दाम पर अनाज
पटना। राजग-दू सरकार अपन एकटा आओर पैघ वादा कए पूरा करि लेलक अछि। सरकार 80 लाख गरीब कए अपन खाता स कम कीमत पर अनाज मुहैया करेबाक योजना मंजूर करि देलक अछि। राज्य मंत्रिपरिषद क बैठक मे मुख्यमंत्री खाद्य सुरक्षा योजना कए मंजूरी द देल गेल। एकर तहत प्रति परिवार 15 किलो चाउर आ दस किलो गेहूं क आपूर्ति कम दाम पर कैल जाएत। गरीब क संख्या कए लकए राज्य आओर केन्द्र सरकार क बीच मतभेद अछि। भारत सरकार 65 लाख परिवार कए गरीबी रेखा क नीचा मानैत अछि आ ओकरा कम दाम पर अनाज दैत अछि, जखन कि राज्य सरकारक अनुसार करीब 1 करोड़ 45 लाख परिवार गरीबी रेखा क नीचा अछि। अंततः मुख्यमंत्री खाद्य सुरक्षा योजना क तहत गरीबी रेखा क नीचा बचल 80 लाख परिवार कए अपन खर्चे पर राज्य सरकार कम दम पर अनाज मुहैया करेबाक निर्णय लेलक अछि। सरकार अपन संसाधन स अनाज क खरीद करत। एहि योजना स करीब 1.45 करोड़ परिवार कए खाद्य सुरक्षा योजना स कवर करि लेल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments