मुंगेर आ पटना रेल सह सड़क पुल पर ग्रहण

पटना। रेल मंत्रालय क रवैयाक कारण मुंगेर आ पटना मे गंगा पर बनि रहल सड़क सह रेल पुल निर्माण पर संकट मंडरा रहल अछि। हाल मे भेल समीक्षा बैसार मे रेलवे क हिस्‍सा क राशि नहि भेटबा स पुल निर्माण मे देरी हेबाक आशंका जताउल गेल। अधिकारी क कहब अछि जे इ दूनू परियोजना लगातार देरी क कारण अपन मूल लागत स कई गुना बेसी लागत क भ गेल अछि। एहि वित्‍त वर्ष मे सेहो एहि दूनू पुल कए चालू हेबाक कोनो संभावना नहि देखा रहल अछि। अधिकारीक साफ कहब अछि जे चालू वित्तीय वर्ष मे पटना क दीघा-सोनपुर रेल सह सड़क पुल लेल रेलवे 320 करोड़ क बदला मे मात्र 120 करोड़ आवंटित केलक अछि। एतबा राशि स इ पुल पूरा नहि कैल जा सकैत अछि। गौरतलब अछि जे जेतबा पुल निर्माण मे देरी होएत ओतबा एकर लागत मे सेहो बढोतरी होएत। एहन मे जे काज पांच टका मे भ सकैत छल ओ आब 15 टका मे सेहो भ सकत से मुश्किल लगैत अछि।
दोसर दिस चालू वित्तीय वर्ष मे पटना क दीघा-सोनपुर रेल सह सड़क पुल नहि चालू हेबाक नाउम्‍मीद क बीच राष्ट्रीय उच्च पथ प्राधिकार दीघा-सोनपुर रेल लाइन क पटना दिस नहर पर दू लेन एलिवेटेड सड़क क प्रस्ताव कए मंजूरी प्राप्‍त क लेलक अछि। 720 करोड़ क लागत स 12 किलोमीटर लंबा इ सड़क एनएच 30 कए भुसौला स गंगा क कछैर मे प्रस्तावित सड़क कए जोड़त। इ रेल लाइन क काते काते बनि रहल दू लेन सड़क क अलावा होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments