मीरा कुमार बजेलथि सर्वदलीय बैठक

नई दिल्ली। एहि मास क उन्नीस तारीख स शुरू भ रहल संसद क शीतकालीन सत्र कए सुचारू रूप स चलेबा लेल लोकसभा अध्यक्ष मीरा कुमार सबटा राजनीतिक दल क नेता स चर्चा क लेल गुरुवार कए बैठक बजौलथि अछि। लगभग महीना भरि चलै वाला एहि संसद सत्र क काफी हंगामेदार रहबाक आशंका अछि। सत्र मे महाराष्ट्र विधानसभा मे सपा नेता अबु आसिम आजमी कए हिंदी मे शपथ लेबा पर मनसे सदस्य द्वारा पिटाई क मामला पर काफी हंगामा भ सकैत अछि। सपा, राजद आओर लोजपा सन सहयोगी दल क सदस्य एहि मामला कए जोर-शोर स उठा सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments