मिरेकल बेबी : मौत स हारल जिनगी क जंग

0
33

viewpic12नई दिल्ली। एम्स मे भर्ती ओ बच्चा क मौत भ गेल जेकर दिल शरीर स बाहर निकलल छल। डॉक्टर दस दिन पहिने ओकर ऑपरेशन करि कए ओकरा नव जीवन देबाक कोशिश केने छलाह, मुदा जिनगी मौत स हारी गेल। हालांकि डॉक्टर पहिने इ आशंका जतौने छलाह जे एहि तरहक मामला मे बच्चाक जीवित बचबाक संभावना बहुते कम होइत अछि। पूर्व मे एहि तरह क बच्चा कए बचेबाक जतेक प्रयास भेल छल, ओ निष्फल साबित भेल अछि। एम्स क चिकित्सक 28 अगस्त कए भर्ती कराउल गेल एहि बच्चा कए बचेबा लेल सबटा प्रयास कैलथि। छब्बीस अगस्त कए पैदा भेल एहि नवजात शिशु कए ओकर बिहार निवासी अभिभावक तौलिया लपेट कए अस्पताल अनने छलाह। ओकर हृदय छाती स बाहर निकलल छल। इ एकटा जन्मजात विसंगति होइत अछि, जेकरा एक्टोपिया कार्डिस कहल जाइत छैक। प्रति दस लाख बच्चा मे एहन पांच टा मामला होइत छैक। एहन मामला मे मृत्यु दर काफी ऊंच होइत छैक। एम्स क बाल चिकित्सा सर्जरी विभाग पहिने सेहो एहन चारिटा सर्जरी करि चुकल अछि, जाहि मे मात्र एकटा जीवित अछि। ज्ञात हुए जे मुजफ्फरपुर निवासी एहि बच्चा कए सुलभ इंटरनेशनल गोद लेने छल।

Comments

comments