मिथि‍ला क बेटी बनत पेटीएम क सीईओ

sinjani-kumarपटना । एकटा कहावत अछि ”हौसले बुलंद हो, तो म‍ंजिल खुद कदम चूमती है” । भामती गार्गी क धरती पर एक बेर फेर एकटा मैथ‍िल अपन ज्ञानक बलबुता पर कंपनी क सीइओ बनय जा रहल छथि‍ । समस्तीपुर क एकटा छोट गाम पुनास मे खेती करनिहार क बेटी पेटीएम बैंकिंग सेवा क CEO बनय जा रहल छथ‍ि । समस्तीपुर मे जनमल शिंजनी पटना वीमेंस कॉलेज स पढ़ाई केने छथि‍। एहि स पहिने ओ रिजर्व बैंक ऑफ इंडिया मे डिप्टी जनरल मैनेजर छलीह। एह‍ि क अलावे ओ यूएसए क कंपनी मे सेहो काज केने छथि‍।

समस्तीपुर क पुनास गांव मे एकटा किसान परिवार मे जनमल शिंजनी लखीसराय क बालिका विद्यापीठ स पढ़ाई केलाक बाद पटना वीमेंस कॉलेज स अंग्रेजी मे ग्रेजुएशन केलथि‍। हुनकर पिताजी आइयो किसानी करैत अछि । पटना मे पढलाक बाद शिंजनी दिल्ली विश्वविद्यालय स अंग्रेजी मे एमए आओर अमेरिका क टेक्सास यूनिवर्सिटी क लिंडन जॉनसन स्कूल स पब्लिक पॉलिसी मे एमए केलथ‍ि।

पढ़ाईक खर्चा उठेबाक लेल शिंजनी बालिका विद्यापीठ मे सेहो नौकरी केने छ‍थि‍ । अमेरिका स डिग्री लेला क बाद ओ मार्च 1992 मे रिजर्व बैंक ऑफ इंडिया मे डिप्टी जनरल मैनेजर बनलीह आओर नवंबर 2007 धरि एहि पद पर बनल रहलीह। दिसंबर, 2007 मे अमेरिका क वित्तीय संस्था मेरिल लिंच मे कंट्री कंपलायंस हेड क तौर पर जुड़लीह आओर अक्टूबर, 2007 धरि एतय रहलीह।

अक्टूबर, 2010 में प्राइस वाटर हाउस कूपर्स मे डायरेक्टर क पद पर काज केलथि‍ । मौजूदा समय मे ओ प्राइस वाटर हाउस कूपर्स (पीडब्लूसी) मे कार्यकारी निदेशक क पद पर छथि‍। शिंजनी कुमार अब पेटीएम पेमेंट बैंक की सीईओ बनय जा रहल छलीह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

6 टिप्पणी

  1. Excellent! Mithilak Beti Shinjni ke uplabdhi samast Mithilak lel garvak baat!..Hunka bahut bahut badhai!….Tamam Maithili beta w bati ke lel prernak shrot…! Dhany ho mithilak maati…A sangahi apne lokani ke seho bahut bahut saadhubaad je ahan lokani ehan abhutpurv E patrikak shuruaat kail..Apne ke seho safaltak lele anekanek Shubhkaamna!..

  2. मिथिलांचल आउर मैथिल समाज लेल गौरव केर विषय अछि..शिंजना के बहुत बहुत बधाई आ शुभकामना

Comments are closed.