मिथि‍ला की धरती पर मिथि‍ला रंग महोत्सव

mailorang

 

मधुबनी । दिल्ली क दिल में मै‍थि‍ली नाटक क माध्यम राज करनिहार मैलोरंग मिथि‍ला मे तीन दिवसीय रंग महोत्सव कए रहल अछि । मिथि‍ला क धरती पर मैलोरंग क इ पहिल उत्सव छल जाहि मे दर्शक तीन दिन मे पाँच टा नाटक क मंचन देखि‍ सकत । जल डमरू बाजे, देह पर कोठी खसा दिअ, चान-चकोर, मैथि‍ल नारी – चार रंग, और फॉंस का क्रमश मंचन होएत ।  महेन्द्र मलंगिया आओर प्रकाश जी क नेतृत्व मे तीन दिवसीय नाट्य महोत्सव क आयोजक संयुक्त रूप स मैलोरंग आओर भारत सरकार क कला आ संस्कृति विभाग अछि । मधुबनी क गिरिधारी नगर भवन, थाना चौक, मधुबनी में 1 मई से 3 मई क बीच होए बला नाटक मे निश्चि‍त रूप स मैथि‍ली रंगरस मे अहाँक गोता लगबा देत । मैलोरंग क माजल कलाकार आ प्रकाश जी क निर्देशन अहाँ क सीट पर बन्हबाक लेल मजबूर कए दैत । मैलोरंग दिस स इसमाद परिवार अहाँक स्वागत करैत अछि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments