मिथिला दर्शन पत्रकारिता पुरस्कारक घोषणा

नई दिल्लीl मैथिली पत्रकारिताक विकास कें ध्यान मे राखि तथा युवा पत्रकार कें प्रोत्साहित करबाक उद्दश्यें वर्ष 2010 सं 5000/- टाका राशिक मिथिला दर्शन पत्रकारिता पुरस्कार आरभ कयल गेल अछि| समकालीन समस्या सम्पर्कित साहित्येतर आलेख जे मिथिला दर्शन मे प्रकाशित होयत तकरे आधार पर ई पुरस्कार देल जायत| साल भरिक विभिन्न अंक मे प्रकाशित आलेख मे जे सर्वोत्तम होयत तेकर लेखक कें पुरस्कृत कायल जायत| एहि सन्दर्भ मे सम्पादक मंडलक निर्णय अंतिम होयत|एहि निर्णयक जानकारी एकटा विज्ञप्तिक माध्यम स देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments