मिथिला क तीनटा परियोजना समेत पांचटा जल विद्युत परियोजना लेल भेटल राशि

पटना। काफी साल स लटकल राज्‍यक जल विद्युत परियोजना कए आखिरकार मंजूरी भेट गेल। मंजूरी स पैघ गप इ जे टका सेहो आवंटित भ गेल, जाहि स इ उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि जे अगिला दो-चारि साल मे राज्‍य मे जल विद्युत क योगदान सेहो उल्‍लेखनीय भ जाएत। जानकारीक अनुसार नाबार्ड राज्‍यक पांचटा जल विद्युत परियोजना कए ऋण क स्वीकृति प्रदान क देलक अछि। परियोजना सब स 2014 तक विद्युत उत्पादन शुरू भ जेबाक दावा कैल जा रहल अछि। अधिकतर परियोजना मिथिला क्षेत्र स जुडल अछि। ऊर्जा विभाग क अनुसार कोसी क निर्मली मे 8 मेगावाट क्षमता क जल विद्युत परियोजना लेल 61.86 करोड़ टका क विरुद्ध 2.90 करोड़ ऋण क स्वीकृति द देल गेल अछि। अररिया जिला क बथनाहा मे फेज एक क तहत 8 मेगावाट क परियोजना लेल 56.49 करोड़ क विरुद्ध 4.11 करोड़, औरंगाबाद क सिपहा मे 1000 किलोवाट यूनिट लेल 12.07 करोड़ क विरुद्ध 16.39 लाख, मधेपुरा क अरारघाट मे 6 मेगावाट क परियोजना लेल 65.44 करोड़ क विरुद्ध एहि साल 3.70 करोड़ क स्वीकृति प्रदान कैल गेल अछि। डिहरी लघु जल विद्युत परियोजना क स्कैप चैनल लेल सेहो 11.20 करोड़ क विरुद्ध 1.82 करोड़ देल जा चुकल अछि। इस सबटा राशि जल विद्युत निगम कए राज्यांश क रूप मे देल गेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. That is really great news. At last something is happening to improve electric condition in the area.

Comments are closed.