मिथिला क्षेत्र कए भेटल एकटा आओर सुपरग्रिड

पटना । बिजली संकट कए अगिला किछु साल मे खत्‍म करबाक दावा क बीच बिहार सरकार कए केंद्र स एकटा आओर सनेस भेट गेल अछि । बंगाल मे प्रस्‍तावित सुपरग्रिड आब बिहार क किशनगंज मे लागत। एहि परियोजना पर कुल 500 करोड खर्च होएत। 250 स 300 करोड टका त केवल संरचना बनेबा मे खर्च हेबाक अनुमान अछि। ऊर्जा मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव क कहब अछि जे केंद्र सरकार बिहार सरकारक एहि मांग कए मंजूरी द देलक अछि जे सुपरग्रिड किशनगंज मे बनला स बिहार कए बिजली समस्‍या कए हल करबा मे मदद भेटत। ओ कहला जे एहि स पावर ट्रांसमिशन सिस्‍टम कए मजबूत करबा मे सहायता भेटत। एहि ग्रिड क निर्माण क बाद मिथिला आ मगध मे बैलेंस आफ पावर भ जाएत संगहि पूर्वोत्‍तर भारत आ भूटान स बिजली अनबा मे सुविधा होएत। श्री यादव कहला जे इ सुपरग्रिड किशनगंज जिला क किशनगंगा मे स्‍थापित होएत आ एकर क्षमता 400 केवीए क होएत। ज्ञात हुए जे बिहार अगिला तीन-चारि साल मे भूटान स करीब 2000 मेगावाट बिजली आयात करत। एहि मे प्रसतावित ग्रिड काफी मददगार साबित होएत। एकर निर्माण भेला स पूर्वोत्‍तर स बिजली सेहो आसानी स बिहार आनल जा सकत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments