मिथिला कला लेल अलग विश्‍वविद्यालय : नीतीश

दरभंगा। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि अछि जे मिथिला क कला लेल राज्‍य मे अलग विश्‍वविद्यालय खोलल जा रहल अछि। राज शमशान माधवेश्वर परिसर क बगल मे पूर्व विधान पार्षद संजय झा क ऐक्छिक कोषस निर्मित मां श्यामा जानकी मिथिला भवन क उद्घाटन क बाद समारोह कए संबोधित करैत मुख्‍यमंत्री कहला जे मिथिला क कला आ संस्कृति क बिना बिहार की देश क इतिहास अपूर्ण अछि। कला आ संस्‍कृति क क्षेत्र मे मिथिला बेसी समृद्ध रहल अछि। एहन मे एकर विकास आ संरक्षण लेल मधुबनी जिला क सौराठ मे एकटा मिथिला कला क लेल डिम्ड यूनिवर्सिटी खोलल जा रहल अछि। ओहि ठाम सीकी कला क सेहो प्रशिक्षण देल जाएत। एहि डिम्ड यूनिवर्सिटी कए मान्यता दियेबाक प्रयास भ रहल अछि।
मुख्‍यमंत्री कहला जे मिथिला मे अनेक विद्वान भेलाह जे समाज आ राष्ट्र कए नव बाट देखेलथि आ देश-विदेश मे मिथिला क पताका फहरेलथि। मुख्यमंत्री कहला जे एहन मिथिला कए उपेक्षा क कियो आगू नहि जा सकैत अछि। मिथिला क विकास क बिना बिहार क विकास संभव नहि आ हुनक सरकार एहि लेल प्रयासरत अछि। हुनक सरकार मिथिला क कला आ संस्कृति क विकासक लेल प्रतिबद्ध अछि।
मुख्‍यमंत्री कहला जे बिहार क जनता आब देश पर बोझ नहि अछि। हम सब विकास मे सहभागी भ रहल छी। मुदा आइ जतबा परिवर्तन देखबा मे आबि रहल अछि ओ राज्य मे उपलब्ध सीमित संसाधनक बल पर भेल अछि। केन्द्र सरकार अगर मदद करत त राज्य क चेहरा आओर चमतक। श्री कुमार बिहार कए विशेष राज्‍यक दर्जा देबाक एक बेर फेर मांग केलथि। ओ कहला जे ई मांग जाबत धरि पूरा नहि होएत ता धरि एहि लेल आवाज उठबैत रहब। सभा क संचालन मैथिली अकादमी क अध्यक्ष कमला कान्त झा केलथि जखन कि अध्‍यक्षता पूर्व विधान पार्षद संजय झा केलथि। धन्यवाद ज्ञापन लनामिवि क कुलपति डॉ. समरेन्द्र प्रताप सिंह द्वारा कैल गेल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments