मिथिला कए एहि सप्‍ताह भेटत दूटा सनेस

पटना। इ सप्‍ताह मिथिला लेल विशेष अछि। एहि सप्‍ताह मिथिला कए दूटा सनेस भेटत। पहिल सनेस सात फरवरी कए भेटत, जखन कि दोसर आठ फरवरी कए। मुजफफरपुर पूसा रोड क बीच पिल्‍खी घाट पुल बनि कए तैयार अछि। एहि पुलक उदघाटन सात फरवरी कए मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार करताह। एहि पुल कए बनि जेबा स पटना स महुआ होइत दरभंगा जा सकैत छी। एहि पुल कए चालू भेला स पटना स दरभंगा, मधुबनी आ सुपौल क दूरी सेहो कम भ जाएत आ पटना स दरभंगा जेबा लेल मुजफफरपुर जेबाक बाध्‍यता सेहो समाप्‍त भ जाएत।
दोसर दिस केंद्रीय सडक परिहन आ राजमार्ग मंत्री सीपी जोशी 8 फरवरी कए निर्मली आ सरायगढ क बीच बनल कोसी महासेतु कए उदघाटन करताह। एहि पुल कए चालू भेला स 1934 मे दू भाग मे बंटल मिथिला एक भ जाएत। एखन मधुबनी स सुपौल जेबा लेल लोक अतिरिक्‍त 250 किमी तय करैत अछि। 10.63 किमी लंबा संपर्क पथ सहित एहि सेतु कए बनेबा मे कुल 418 करोड खर्च कैल गेल अछि। एहि अवसर पर मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार सेहो उपस्थित रहताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. Mithila wasi ke lel e bahut harsh ke baat acchi . hamra lokain ke intjar rahat je e mill jald se jald khule

Comments are closed.