मिथिलाक ह्रदयस्थली मे ककर चलत?

दरभंगा । विधानसभा चुनावक दोसर चरण मे 45टा सीट रविदिन मतदान होएत। एहि चरण मे सीतामढ़ी, दरभंगा, समस्तीपुर, मुज़फ़्फ़रपुर, पूर्वी चंपारण आ शिवहर ज़िला मे मतदान होएत।
एहि चरण मे अधिकतर नेता चट मंगनी पट ब्याह क अदांज़ मे हेलिकॉप्टर स नेता एलाह आ तुरत-फुरत मे सभा संबोधित कए विदा भ गेलाह। रामविलास पासवान त दरभंगा ज़िला क दूटा विधानसभा क्षेत्र मे मोबाइल क ज़रिए जनसभा संबोधित कए अपन कार्यकाल मे बिहार मे भेल संचार सेवाक विकास क सबूत द देलाह।
एहि चरण मे दूटा गप नव रहल, पहिल भाजपाक सबसे पैघ नेता आडवाणी प्रचार लेल पहुंचलाह आओर दोसर बहुत दिन स रूसल अपन बिहारी बाबू आखिरकार ‘हमहूं आबि गेलहुं’ क अंदाज़ मे एंट्री मारलथि। गौर करैवाला गप इ रहल जे सिन्हा क सभा मे आडवाणी जी क सभा स बेसी भीड़ छल। ओना एहि चरण क प्रचार मे स्थानीय मुद्दा पर चर्चा नहि भेल। राजग क नेता विकास गप केलथि त विपक्ष ओकर दावा कए धज्जि उड़बैत रहल। मुदा जनता बस चाहैत अछि जे राज्य मे मज़बूत सरकार बनए। कुल मिला कए एहि चरण मे मुख्य मुक़ाबला नीतीश कुमार आ लालू यादव क बीच अछि।
बहरहाल, अई मे कोनो शक नहि जे नीतीश सरकार क विकास क दावा क असर पूरा राज्य मे अछि। राज्यक सब जिला मे सड़क आ स्कूल क बेहतर भेल स्थिति पर चर्चा चलि रहल अछि, मुदा जातिगत समिकरण अपन अस्तित्व कए बचेबा लेल पूरा जोर लगा देलक अछि। उच्च जातिक वोटर नीतीश पर तमसायल छथि, उपर स भाजपाक किछु टिकाधारी नेता नीतीश स बदला लेबा लेल भीतरे भीतर जदयू कए कमजोर करबा मे जी जान लगा देलथि अछि। पहिल चरण क भांति राजग क लेल परेशानी बनल कांग्रेस एहि बेर राजद कए सेहो बहुत ठाम पाइन पीया सकैत अछि।

दोसर चरण मे 45 सीट क लेल 674 उम्मीदवार मैदान मे छि‍थ। वोटिंग राज्य क 6टा जिला दरभंगा…शिवहर… सीतामढ़ी… पूर्वी चम्पारण… मुजफ्फरपुर आओर समस्तीपुर क विधानसभा क्षेत्र मे होए वाला अछि। पैंतीलिसों सीट ऐना अछि…
शिवहर, रीगा, बथनाहा (अनुसूचित जाति), परिहार, सुरसंड, बाजपट्टी, सीतामढी, रून्नीसैदपुर, बेलसंड, कुशेश्वर स्थान (अनुसूचित जाति), गौरा बौराम, बेनीपुर, अलीनगर, दरभंगा ग्रामीण, दरभंगा, हायाघाट, बहादुरपुर, केवटी, जाले, गायघाट, औराई, बोचहां (अनुसूचित जाति), सकरा (अनुसूचित जाति), कुढनी, मुजफ्फरपुर, कांटी, बरूराज, कल्याणपुर (अनुसूचित जाति), वारिसनगर, समस्तीपुर, उजियारपुर, मोरवा, सराईरंजन, मोइउद्दीननगर, विभूतिपुर, रोसड़ा (अनुसूचित जाति), हसनपुर, नरकटिया, पिपरा, मधुबन, चिड़ैया, ढाका, मीनापुर, पारू आओर साहबगंज।
दोसर चरण मे जे नेता सभ मैदान मे छथिन्ह ओहि मे मौजूदा राज्य सरकार मे मंत्री रामनाथ ठाकुर… वरिष्ठ नेता रमई राम… विजय कुमार चौधरी… आरजेडी क प्रदेश अध्यक्ष अब्दुल बारी सिद्दीकी… पूर्व मुत्री रामचंद्र पूर्वे…पूर्व केंद्रीय मंत्री मो. अली अशरफ फातमी क सुपुत्र फेराज फातमी आओर पूर्व केंद्रीय मंत्री हुकुमदेव नारायण यादव क सुपुत्र अशोक यादव।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments