मिथिलाक बेटी शिल्पा मिस यूनिवर्स क दौड़ मे!

समस्‍तीपुर। मिथिला क बेटी शिल्पा सिंह विश्‍व क समक्ष मैथिली(वैदेही) क सुंदरता आ भारती क ज्ञान क संगम प्रस्‍तुत करबा लेल तैयार छथि। मिस यूनिवर्स 2012 मे भारत क प्रतिनिधित्व क रहल शिल्‍पा पर आइ दुनिया भरिक नजरि अछि। एहि प्रतियोगिता क फाईनल 19 दिसंबर कए अमेरिका क लॉस वेगास मे होएत। विजेता क घोषणा भारतीय समय क अनुसार, 20 दिसंबर क भोर 6.30 बजे होएत। एहि प्रतियोगिता मे 89 देश क सुदरी हिस्सा ल रहल छथि।
मूल रूप स बिहार क समस्तीपुर क विष्णुडीह निवासी शिल्पा क पढ़ाई मुजफफरपुर,रांची,जमशेदपुर आ मुंबई मे भेल। शिल्पा क पिता सुरेश कुमार सिंह नौकरी क क्रम मे वि‍भिन्‍न शहर जाइत रहलाह। ओ इंडियन आयल मे कार्यरत छलाह। एखन सुरेश कुमार सिंह मुंबई मे रहैत छथि। शिल्पा तीन भाई-बहन छ‍थि। हुनक माइ क नाम रीता सिंह अछि।
शिल्पा कंप्यूटर साइंस मे बीटेक केने छथि आ एखन ओ इनफोसिस मे कार्यरत छथि। पिता सुरेश क अनुसार, शिल्पा मिस यूनिवर्स क ताज भारत अनबा लेल जी जान स लागल छथि। ओ एक दिसंबर स अमेरिका मे एकर तैयारी क रहल छथि। दोसर दिस हुनक गाम विष्णुडीह मे हुनक जीत लेल भारी संख्‍या में लोक मंदिर मे प्रार्थना क रहल अछि। मिथिला समेत बिहार-झारखंड मे सेहो शिल्‍पा क जीत लेल दुआ मांगल जा रहल अछि। सब उम्‍मीद क रहल अछि जे मिथिला क बेटीक सुंदरता आ ज्ञान क आगू दुनिया नतमस्‍तक भ जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments