माल्या पट्टा पर लेलथि लीचीक बागान, खोलताह शराब फैक्ट्री


पटना। बिहार मे निवेशक प्रक्रिया धीरे-धीरे आकार ल रहल अछि। लीची स शराब बनेबाक समाचार देलाक बाद समाद नौ फरवरी कए विजय माल्याक बिहार दौराक संबंध मे सूचना देने छल। समाद इ सेहो कहने छल जे माल्या बिहार मे अपन व्यवसाय कए बढ़ेबा लेल आयल छथि। शुक्रदिन माल्याक बिहार एबाक कारण स्पष्टï भ गेल। मशहूर उद्योगपति विजय माल्या क कंपनी यूबी ग्रुप मुजफ्फरपुर जिला मे शाही लीची क किछु बागान कए पट्टा पर लेबाक घोषणा केलक। माल्या बेंगलुरू स्थित राया इको केयर प्राइवेट लिमिटेड क माध्यम स कांटी आ मोतीपुर प्रखंड क किसान स करीब 100 एकड़ लीची क बागान पट्टा पर लेलथि अछि। एकरा लेल ओ किसान कए अग्रिम राशि सेहो द देलथि अछि। कंपनी क विपणन निदेशक राजीव रंजन ओझा कहला जे फिलहाल परीक्षण क तौर पर एक वर्ष क लेल एहि बागान कए पट्टा पर लेलथि अछि। ओ कहला जे एहि वर्ष एहि ठाम स लीची बेंगलुरू पठाउल जाएत, जतय प्लांट मे प्रोसेसिंग करि शराब बनाउल जाएत। ओ कहला जे सब किछु ठीक रहल त कंपनी क मुजफ्फरपुर क पताही मे प्रोसेसिंग प्लांट स्थापित करबाक योजना अछि, जेकरा लेल कंपनी जमीन सेहो कीन चुकल अछि। आशा अछि अगिला साल तक निर्माण काज शुरू भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. बढिया अईछ… दु चारि गोटा के नोकरी भेटतै.. आर बाकि सब के पिब के भेटतै… नीक की खराब से त की कहु…

Comments are closed.