मार्च में होएत जल नीति कए घोषणा

0
4
esamaad maithili newspaper

पटना । राज्य में अगिला साल पेय जल आ स्वच्छता नीति कए घोषणा कएल जाएत। एहि गपक जानकारी लोक स्वास्थ्य आ अभियंत्रण मंत्री अश्विनी कुमार चौबे देलथि। ओ कहलथि जे अगिला साल मार्च मे विश्व जल दिवस क अवसर पर 22 मार्च कए एकर घोषणा कएल जाएत। एहि नीति मे पेयजल कए प्रमुखता देल गेल अछि। मंत्री कहलथि जे सरकार एहि नीति पर काज करबाक लेल गंभीर अछि आ एकरा लेल कोनो ढील नहि देल जाएत। मंत्री कहलथि जे सरकार दोहरी जल आपूर्ति प्रणाली पर सेहो काज करि रहल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page