मार्च तक शुरू होएत बरौनी थर्मल स उत्‍पादन

पटना । बिजली संकट स ग्रस्‍त बिहार लेल इ एकटा नीक समाद कहल जा सकैत अछि जे अगिला एक साल मे दूटा बंद थर्मल स उत्‍पादन शुरू भ जाएत। राज्य सरकार क अधिकारी क अनुसार बरौनी एहि वित्त वर्ष क अंत तक उत्पादन मे आबि जाएत। संगहि, कांटी बिजलीघर क काम सेहो जनवरी, 2013 तक पूरा भ जेबाक उम्‍मीद अछि। एहन मे किछु दिन आओर बिजली लेल बाट ताकब बिहार क लोक लेल मजबूरी अछि। वर्तमान स्थिति पर चर्चा करैत अधिकारी कहला जे अपन बिजलीघर स उत्पादन शुरू भेला पर स्थिति मे सुधार क उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि। एखन त अपन दूनू बिजलीघर, कांटी आ बरौनी बंद पडल अछि। ओना बिजली क बढैत मांग कए देखैत राज्य सरकार 400 मेगावॉट अतिरिक्त बिजली कीनबाक फैसला लेलक अछि। एकरा लेल राज्य सरकार एनटीपीसी आ अदाणी पॉवर क संग समझौता केलक अछि। इ दूनू कंपनी राज्य सरकार कए 2015 तक बिजली देत।
अधिकारी कहला जे राज्य मे बिजली क मांग काफी तेजी स बढि रहल अछि। एखन बिहार कए 3,000-3,500 मेगावॉट बिजली क जरूरत अछि। जखनकि बिहार कए केंद्रीय कोटे स महज 1,000-1,100 मेगावॉट बिजली भेट रहल अछि। ताहु मे रेलवे, रक्षा मंत्रालय आओर नेपाल कए बिजली देब अनिवार्य अछि। सही सही पूछू त बिहार लेल महज 700-800 मेगावॉट बचैत अछि। एहन मे एहि संकट क विकरालता कए अहां खुद अंदाजा लगा सकैत छी। सरकार नव स्रोंत दिस ध्यान द रहल अछि।
विकट स्थिति कए किछु सामान्‍य बनेबा लेल सरकार आब बाजार स बिजली कीन रहल अछि। एहि साल अदाणी पावर स 200 मेगावॉट कीनल जा रहल अछि। 200 मेगावॉट बिजली एनटीपीसी विद्युत व्यापार निगम स सेहो कीनल जा रहल अछि। मुदा समस्‍या एहि स कम होएत खत्‍म नहि भ सकैत अछि। किया कि हमर जरूरत कम स कम 3,000 मेगावॉट क अछि, मुदा बाजार स कीनलाक बावजूद महज 1,500 मेगावॉट बिजली हमरा लग उपलब्‍ध भ रहल अछि। दूनू कंपनी 4.41 टका प्रति यूनिट क दर स बिहार कए बिजली बेच रहल अछि। बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क प्रवक्ता क कहब अछि जे ऊंच दर पर बिजली कीनल जा रहल अछि मुदा उपभोक्ता स अतिरिक्त शुल्क नहि लेल जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.