मानवाधिकार क बारे मे जानकारी हासिल करत बिहार पुलिस


पटना। पहिल बेर बिहार मानवाधिकार आयोग सौ स बेसी पुलिसकर्मी आ अधिकारी कए मानवाधिकार क जानकारी लेल शिक्षित करत। आयोग क चेयरमैन जस्टिस एसएन झा कहलथि जे 29 जनवरी स पुलिसकर्मी आ अधिकारी कए मानवाधिकार क जानकारी दिए लेल शिक्षित कराउल जाएत। स्पेशल मीटिंग क दौरान पुलिसकर्मी आ अधिकारी कए एक बारे मे जानकारी देल जाएत। पहिल फेज मे पुलिस आ अधिकारी कए पढ़ाउल जाएत। आयोग पटना क कमिश्नर, पुलिस महानिरीक्षक, जिलाधिकारी, वरिष्ठ अधीक्षक आ पुलिस अधीक्षक कए जानकारी देत। ओकरा बाद आयोग दोसर जिलाक पुलिसकर्मी आ अधिकारी कए जानकारी उपलब्ध कराउत। झा कहलथि जे आयोग क मुख्य लक्ष्य अछि जे पुलिस कए मानवाधिकार क प्रति जागरूक आ संवेदनशील बनबाक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments