माउस क्लिक स सामने आउत निबंधन क दस्तावेज

पटना। निबंधन विभाग कंप्यूटरीकृत भ रहल अछि। सूबा क सबटा निबंधन कार्यालय मे आब कंप्यूटर स काज भ रहल अछि। जतए नहि भ रहल अछि ओहि ठाम एहि सप्ताहक अंत धरि शुरू भ जाएत। एकर संगहि विभाग डाटा आनलाइन पर सेहो तेजी स काज शुरू करि देलक अछि। एकरा लेल सबटा प्रमंडल मे एक-एकटा डाटा बेस आ सचिवालय मे मुख्यालय बनाउल गेल अछि। सबटा निबंधन कार्यालय स सांझखन सबटा दस्तावेज क पूरा डाटा प्रमंडल मुख्यालय कए भेटत। ओतहि स एकरा मुख्यालय पठाउल जाएत। निबंधन विभाग क अलग स एकटा वेबसाइट सेहो लांच करबाक योजना अछि। विभाग क आनलाइन होइते कियो निबंधन विभाग क एहि वेबसाइट पर जाकए दस्तावेज क अवलोकन करि सकत। हालांकि प्रक्रिया पूरा हेबा मे एखन समय लागत। विभाग एकरा लेल नई दिल्ली क एकटा साफ्टवेयर कंपनी कए ठेका देने अछि। पटना प्रमंडल क डाटा बेस सदर निबंधन कार्यालय मे बनि रहल अछि। एहि ठाम स पूरा रिपोर्ट मुख्यालय कए पठाउल जाएत। ओतहि दोसर दिस निबंधन विभाग क पुरान रिकार्ड कए कंप्यूटरीकृत करबाक दिशा मे कारगर कार्रवाई शुरू भ चुकल अछि। कंपनी क दसि स पटना निबंधन कार्यालय मे एकटा शक्तिशाली स्कैनर लगाउल गेल अछि। एहि स एक दिन मे 21 हजार पृष्ठ क स्कैनिंग भ रहल अछि। वर्ष 1996 स 2005 तक क दस्तावेज कए कंप्यूटर मे लोड कैल जा चुकल अछि। एकर बाद पुरान दस्तावेज कए लोड कैल जाएत, एहि प्रकार स एहि वेबसाइट पर सबटा दस्तावेज उपलब्ध भ जाएत। हालांकि शुरू मे एकरा विभागीय कैल जा रहल अछि, मुदा बाद मे एकरा आम जनता क लेल सेहो उपलब्ध कैल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments