महिला क हाथ रहल शनिदिन पटना पुस्तक मेला क कमान

पटना : पटना पुस्तक मेला मे शनिदिन किछु खास रहल। मेला अधिकारी क कनिया विधिवत रूप स मेला क कमान अपन हाथ मे लेने छलीह। मेला अध्यक्ष रत्‍‌नेश्वर होइथि बा संयोजक अमित झा, कियो पुरुष कतहु नहि छलाह । सबटा काज हुनक कनिया सम्‍हारने छलीह। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क महिला सशक्तीकरण अभियान क समर्थन मे मेला समिति इ डेग उठेने छल, जे पूर्णत: सफल रहल। शनिदिन मेला अध्यक्ष क भूमिका रीना सिंह , संयोजन रिंकू झा, संचालन अंजु जायसवाल केलथि। प्रशासनिक भवन मे प्रमुख क भूमिका आरती जायसवाल निभेलथि। पटना पुस्तक मेला मे शनिदिन सबस बेसी भीड रहल। लोक अपन पसंद आ जरूरत क अनुसार पुस्तक क खरीदारी क मेला क आनंद उठेलथि। भारी भीड़ भेलाक बावजूद जतए व्‍यवस्‍था सुचारू रहल ओतहि  प्रकाशक सेहो काफी उत्साहित रहलाह। लोकक कहब छल जे महिला क हाथ कमान रहलाह स व्‍यवस्‍था आओर बढिया भ गेल । एहि स पूर्व सब साल जेकां राज्य क युवा प्रतिभा कए सम्मानित कैल गेल। मेला क सभागार मे प्रसिद्ध आलोचक नंदकिशोर नवल  युवा साहित्यकार राजीव रंजन गिरि कए विद्यापति साहित्य पुरस्कार स सम्मानित केलथि। ओतहि युवा रंगकर्मी शगुफ्ता रशीद कए वरिष्ठ पत्रकार अवधेश प्रीत भिखारी ठाकुर रंगकर्म सम्मान स सम्मानित केलथि। दूरदर्शन क उप समाचार संपादक पुष्पवंत पत्रकार रिंकू कुमारी कए सुरेन्द्र प्रताप सिंह पत्रकारिता पुरस्कार प्रदान केलथि। पुरस्कार स्वरूप तीनू प्रतिभा कए पांच-पांच हजार क राशि प्रदान कैल गेल। एकर अलावा हुनका प्रमाण पत्र आ प्रतीक चिन्ह भेंट कैल गेल। मेला रविदिन समाप्त भ रहल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments