महावीर मंदिर क आनलाइन दर्शन

पटना। महावीर मंदिर मे आनलाइन दर्शन शुरू भ गेल। एकर उद्घाटन उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी केलथि। महावीर मंदिर क वेबसाइट पर मंदिर मे होइवाला सबटा गतिविधि कए आब घर बैसल देखल जा सकैत अछि। ओ कहला जे सूचना तकनीक क सबस नीक उपयोग करैत आब मंदिर मे स्थापित प्रतिमा क दर्शन लोग घर बैसल करतथि आ हुनका लेल इ सुविधा वरदान समान होएत जे मंदिर एबा मे कोनो कारण स असमर्थ छथि। एहि मौका पर मोदी मानवता क सेवा लेल अंगदान पर विशेष जोर देलथि। ओ कहला जे सरकार एकरा लेल कानून बनेबा पर विचार कए रहल अछि। एहि अवसर पर महावीर मंदिर न्यास समिति क सचिव कहला जे फिलहाल मंदिर क प्रतिमा आ आरती देखबाक आनलाइन व्यवस्था कैल गेल अछि। इस अवसर पर महावीर मंदिर क प्रकाशन प्रभारी भवनाथ झा सहित कई गोटे उपस्थित छलाह।
ऑनलाइन दर्शन लेल लॉग इन करि :www.mahavirmandirpatna.org

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. mahavir mandir,patna ki patrika “dhamayan” ko shighara chalu kiya jay. yours-pandit vinay kumar,+2 Hindi teacher,Mahesh uchch vidyalaya anisabad,Patna-2 Mob. No.09334504100,09852274708,09801778998(R)

Comments are closed.