महाराष्ट्र स हारि गेल बिहार

नई दिल्ली। देश मे सबस भ्रष्‍ट राज्‍य आब बिहार नहि रहल, महाराष्ट्र एहि मामला मे आब सबस उपर अछि। सर्वाधिक भ्रष्‍ट पांच राज्‍य मे सेहो बिहारक नाम नहि अछि। एतबे नहि भ्रष्‍टाचारी क खिलाफ कार्रवाई नहि करबाक रिकार्ड सेहो बिहार स छिना गेल, आब इ रिकार्ड महाराष्ट्र लग अछि।
भ्रष्टाचार क सीढ़ी मे शीर्ष पायदान पर ठार महाराष्‍ट मे भ्रष्टाचार क दोषी कए सजा देबाक प्रतिशत सेहो बहुत कम अछि। ओतहि भ्रष्‍टाचार क लेल विख्‍यात बिहार एहि मामला मे काफी आगू भ गेल अछि।
ताजा आंकडाक अनुसार भ्रष्‍टाचारक मामले में सर्वाधिक भ्रष्‍ट पांचटा राज्‍य मे बिहार अपन स्‍थान नहि बना सकल अछि। ब्यूरो क आंकडा बता रहल अछि जे भ्रष्टाचार क खिलाफ कार्रवाई करबाक दिशा मे बिहार शानदार प्रदर्शन केलक अछि। लक्षदीप मे जतए सौ फीसदी दोष सिद्धि दर रहल ओतहि बिहार मे दोषी कए सजा देबाक प्रतिशत 78 फीसदी रहल।
राष्ट्रीय अपराध रिकार्ड ब्यूरो क आंकडा पर गौर करी त साफ अछि जे वर्ष 2000 स लकए 2009 क बीच महाराष्ट्र मे भ्रष्टाचार क कुल 4566 मामला दर्ज भेल जाहि मे स केवल 27 फीसदी मामला मे कोनो आरोपी पर दोष साबित भ सकल । एहिना 2000 स ल कए 2009 क दौरान राजस्थान, उड़ीसा, पंजाब आ आंध्र प्रदेश मे भ्रष्टाचार कए सर्वाधिक क्रमश: 3770, 2957, 2714 आ 2686 दर्ज कैल गेल ।
एहि सब राज्‍य मे सेहो भ्रष्टाचारी कए कठघरा मे ठार करबाक दर सेहो उत्साहवर्धक नहि अछि । संबंधित राज्‍य मे एकर प्रतिशत क्रमश: 27, 33, 33, 36 आ 58 रहल । कुल मिला कए कहल जा सकैत अछि जे जाहि पांचटा राज्‍य मे भ्रष्टाचार क सर्वाधिक मामला दर्ज कैल गेल ओहि मे केवल आंध्र प्रदेश मे अन्य राज्‍यक मुकाबला मे दोषी कए सजा देबाक प्रतिशत सर्वाधिक छल।
राष्ट्रीय अपराध रिकार्ड ब्यूरो क आंकडा कहैत्‍ अछि जे झारखंड मे भ्रष्टाचार क 225टा मामला दर्ज कैल गेल आओर भ्रष्टाचारी कए जेल पहुंचेबाक दर 350 फीसदी रहल आ 30 लाख टका क संपत्ति जब्त कैल गेल । भ्रष्टाचारी क खिलाफ सख्‍त कार्रवाई करबाक दिशा मे नगालैंड दूटा मामला, दोष सिद्धि दर सौ फीसदी, लक्षदीप सेहो सौ फीसदी, बिहार एहि मामले मे कनि पाछु रहल मुदा पैघ राज्‍य मे सबस उपर भ गेल बिहार मे दोषी कए सजा देबाक प्रतिशत 78 फीसदी रहल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments