महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह पर व्याख्यान 30 कए

दरभंगा। महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह मेमोरियल महाविद्यालय महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह स्मारक व्याख्यानमाला शुरू करबाक निर्णय लेलक अछि। संगे एकरा अमलीजामा पहनेबाक दिशा मे चहलकदमी करैत 30 दिसंबर कए पहिल व्याख्यान आयोजित करबाक फैसला कएल गेल अछि। प्रधानाचार्य डा. अनिल कुमार मिश्र कहलथि जे पहिल व्याख्यान महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह क व्यक्तित्व आ कृतित्व पर होएत। प्रो. सतीश कुमार सिंह क संयोजन मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे पहिल व्याख्यान चर्चित समाजशास्त्री डा. हेतुकर झा देताह। दुपहरिया 12.30 बजे स महाविद्यालय परिसर मे होइवाला एहि व्याख्यानमाला क उद्घाटन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क कुलपति डा. पद्माशा झा करतीह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments