महामहिम क भाषणक त्‍वरित अनुवाद


एहि अवसर पर उपस्थित भ कए हमरा खुशी भ रहल अछि, एहि अवसर पर सब कए बधाई, अहां सब कए होलीक सेहो बधाई, इ एतिहासिक अवसर अछि, बाकीपुर परिसर में परिषदक पहिल बैठक भेल छल, बिहार संविधान कए अंगीकार केलक आ आगू बढल अछि,बिहारक इतिहास गौरवशाली रहल अछि, मार्य आ गुप्‍त युग देश कए बिहार देखेलक अछि, एहि युग कए स्‍वर्ण युग कहल जाइत अछि, इ राज्‍य देश कए नालंदा आ तक्षशीला सन शैक्षणिक संस्‍थान देलक अछि,इ खुशी क गप अछि जे नालंदा फेर स बसाउल जा रहल अछि, इ भूमि दुनिया कए बहुत किछु देलक अछि, एहि भूमि पर कईटा धर्म सतत चलल नहि बल्कि उदय भेल, जैन, बुदध, सिख आ शूफी एहि ठाम पवित्र जमीन कए शत शत नमन करैत छथि,एहि भूमि क लोक देशक स्‍वतंत्रता संग्राम मे आगू बढि कए भाग लेलक, कुंवर सिंह सबस पैघ नाम अछि, गांधी बिहार क इतिहास आ संगठनक क्षमता स प्रभावित छलाह, गांधी कहने छथि जे इ बिहार छल जे हमरा दुनिया मे पहचान भेटल,राजेंद्र बाबू संविधान सभा क अध्‍यक्ष छलाह, आ पहिल राष्‍टपति आ दोसर राष्‍टपति छलाह, जे दोसर कियो नहि भेल,हमरा एहि गप पर गर्व हेबाक चाही जे भारत मे लोकतंत्रक जडि बड मजबूत भ चुकल अछि, जे एकर संविधानक व्‍यावहारिकता कए साबित करैत अछि, जाहि मे बिहारक येगदान सबस बेसी अछि,इ सेहो कहब जरूरी अछि जे गणतंत्रक बीजारोपण सेहो बिहारक वैशाली मे भेल अछि,विकास लेल शिक्षा क विकास जरूरी अछि, आ हमरा पता अछि जे बिहार सरकार एहि लेल प्रयास करि रहल अछि, युवा कए संग ल कए विकास क पथ पर बढल जा सकैत अछि आ इ काज बिहार करि सकैत अछि, बिहार देशक पहिल राज्‍य अछि जाहि ठाम पंचायती राज्‍य मे महिला लेल आरक्षण देल गेल अछि, हम एकरा लेल सरकार कए बधाई दैत छी, हम अपन पहिल बिहार यात्राक दौरान बालिका येजना कए शुरूआत केने रही, महिलाक विकास स राज्‍य क विकास जुडल अछि, हमरा खुशी अछि जे सरकार एहि दिस काज करि रहल अछि,हमर देश आइ चारिम अर्थशक्ति बनि चुकल अछि, हमरा सब कए समाजक अंतिम लोक लेल योजना तैयार करबा लेल आगू जेबाक चाही,हम मुख्‍यमंत्री स कहए चाहैत छी जे खेतीक विकास लेल ओ पैघ फैसला लथि आ दोसर कए सेहो बाट देखेबाक काज करैथि, बिहार इ करि सकैत अछि आ कईटा इलाका में करि सकल अछि,बिहार आगू बढि रहल अछि आ देशक निर्माण में भूमिका निभा रहल अछि, अंत में हम अशोक क शब्‍द मे कल्‍याणकारी राज्‍यक रूप मे कहए चाहैत छी जे हम सब हक कल्‍याण कए अपन काज मानैत छी आ इ लगातार परिश्रम केला स संभव भ सकैत अछि, धन्‍यवाद, जय हिंद

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments