महादलित क लेल शीघ्र खुलत प्रशिक्षण संस्थान

पटना। राज्य सरकार महादलित युवक कए रोजगारोन्मुख प्रशिक्षण देबा लेल दिवंगत दशरथ मांझी क नाम पर शीघ्र एकटा श्रमिक प्रशिक्षण संस्थान शुरू करत। अनुसूचित जाति-जनजाति कल्याण विभाग क मंत्री जीतनराम मांझी समाद स कहलथि अछि जे पांच एकड़ जमीन मे प्रशिक्षण संस्थान क एकटा यूनिट खोलल जा रहल अछि। ओ कहलथि जे दशरथ मांझी बिहार क लेल गौरव पुरुष छलाह। मुख्यमंत्री हुनकर जीवटता कए देखिकए हुनका सम्मानित केने छलाह। पहाड़ तोडि़कए बाट बनेबा लेल इतिहास हुनका हरदम स्मरण करत। एहन पुरुष क स्मृति मे प्रशिक्षण संस्थान खोलब हमरा लेल सेहो सम्मानक गप अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments